

♦ सुरेन्द्र लाभ
आहाँ नैतिकवान बनब ने ?
नै हम नेता बनब ।
ठीक छै तखन सदाचारी बनब ने ?
कहलहुँ नै हम नेता बनब।
की आहाँ व्यापारी बनब ?
नै नेता बनब त’ भ’ जएतै ने।
मुदा पाई कमाय पर ध्यान नै देबै ने ?
हम गरीब तरीब नै रहब, नेता बनब।
अच्छा जनताक आवाज सुनबै ने ?
निर्वाचन काल मे बस ,बादमे हम नेता बनब ।
सत्ताप्राप्ति हेतु कोनो षडयन्त्र नै ने करबै ?
सत्ता प्राप्ति हमर अभिष्ट अछि। तँए ने एक्क्कहिटा वाक्य मे कहलहुँ जे हम नेता बनब ।
