

१. हिंसा
टी भीसँ समाचार द’ रहल छलैक – ‘ अ्मेरिकामे एकटा स्कुली छात्रद्वारा गोली चलाओल गेल … ‘
हमरा लगे मे बैसल पाँच वर्षिय पोता मोबाईलमे गेम खेल’मे मस्त छल । अकस्मात ओ खुशी सँ चिचिया उठल- ‘बाबा हमरा क्राउन भेटल ।जतेक गोटेके मारै छियै ओतेक क्राउन ।’ पोताक विजयी भावपर हमहुँ सगर्व पीठ ठोकलियै ।
टी भी पर समाचार आगू बढि रहल छल – ‘ तेरह गोट छात्र छात्राक अनाहकमे प्राण गेल ।’
— — — — ———-
२. ढील
जहिया ओ छोट छल ओकर माथमे ढील फैर जाइत रहैक ।कहिने कोना ओकर मायके जानकारी भ’ जाइक आ ओकरा पकडिक’ माथसँ ढील निकालि मारैत छलैक नहपर – पट पट ।माय ढील मारैतो छलैक आ बेर बेर कहैत छलैक –‘छौंडीसब जका तोहर माथमे ढील कोना फैर जाई छौ ? ‘ ओकरालग कोनो जबाब नै रहैत छलैक ।
नम्हर भेल ।कौलेजमे एकदिन सहपाठी छात्राक केशक लटपर एकटा ढीलके टहलैत देखलक ।हाथ सुगबुगाय लगलै ढील पकडबाक हेतु ।मुदा लोकलाजक कारणे हाथ आगू बढा ने सकल । मोन मसोसिक’ रहि गेलैक ।तत्पश्चात प्रतेक दिन ओकर खसैत केशक लटपर ढील ससरैत नजैर अबैत छलैक ओकरा आ समिप गेलापर भ्रम प्रमाणित होइक्।ढील पकडबाक व्यग्रता दिन प्रतिदिन बढैत गेलैक ।आब कोनो नारीक मुखारविन्दपर ओकर नजैर नहि जाइक ।ओकर नजैर त केशक लटपर लटपटायल ढीलके खोजैक ।ढीलक अनुभुतिमे आँगुर चौबिसो घंटा सुगबुगाय लगलै ।
कौलेजक पढाई समाप्त भेलै ।विवाह भेलै ।किछुए दिनक बाद सँउसे टोलमे अनघोल भ’ गेलै- ‘ ई छौंडा मौगियहवा भ’ गेलै ।’ कारण जखन तखन ओ अपन पत्नीके ढीले हेरैत देखल जाईक ।ढील निकालैक आ नहपर ध’ मारैत जाईक – पट पट ।
