Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

मैथिली गीत – जीवन हमर गीत बनि बजैत रहल





♦ प्रा. डा. सुरेन्द्र लाभ

जीवन हमर गीत बनि बजैत रहल,
दुःख–सुखक राग संग सजैत रहल।
जे भेटल, ताहिमे रस पबैत रहल,
जीवन हमर गीत बनि बजैत रहल।
डेग डेग धरती नपैत रहल,
नव किरिणक आशा बुनैत रहल।
अन्हारो केर बीच दीप जरैत रहल,
जीवन हमर गीत बनि बजैत रहल।
काँट भरल बाटमे कुसुम सजल,
मोनक आंगन स्नेहक मधुर गजल।
पीर केर सागरमे सुख खोजैत रहल,
जीवन हमर गीत बनि बजैत रहल।
कखनो मेला, कखनो श्मसान भेटल,
कखनो क्रुड, कखनो दयावान भेटल।
हरेक दुखकेँ हाससँ हरबैत रहल,
जीवन हमर गीत बनि बजैत रहल।
हारितो किछु, मोन ने हारल,
नव सपना पुनि–पुनि सँवारल।
स्नेहक गंध पल पल लुटबैत रहल,

जीवन हमर गीत बनि बजैत रहल।