Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

रोशन जनकपुरीक दूटा लघुकथा





 रोशन जनकपुरी

१-

गान्धीमार्ग

मन नइँ मानलकै । ओ एकटा जोगीजी स पुछिए देलकै – “महाराज ! वैष्णव जन तो तेने कहिए, पीर पराई जाने रे , एकर अर्थ जनै छियै ने ? गान्धीजी के ई गीत बड्ड नीक लगैन ।”

आकि बबाल मइच गेलै । ओकरा बुझयलै, सब ओकरे दिस दौड़ रहल अइछ , त्रिशूल, फरसा, गदा, लाठी, मुङरी, सब । ओ लंक लाइग क’ भागल । बदहवास ओ दौड़ैत रहल । ई ओ शहर नइँ छल, जतह ओ आयल छल । अपनासन लाग’बला सब अनजान, तैँ शहरो अनजान छल ओकरालेल । ओ सोँचैत रहल आ भगैत रहल माथपर पैर धयने। वैष्णव जन …, अल्ला ईश्वर तेरो नाम… के भजन अनघोल मचबैत रहल , आ भीड़ सेहो ओकरा पाछू दौड़ैत रहल । भीड़मे सेहो किछु भाइग रहल छल आ किछु खेहाइर रहल छल । शहरमे भजन छल, कि स्तुति , कि अजान, बाँकी सब सुनसान । कोम्हर जाय ओ ? गान्धी सब चौकपर ठाढ़ छलाह लाठी नेने,  मुदा मुरुत बनल । एक गोटे भेटलै ओकरा । ओ पुछलकै “-ई कोन पथ अइछ ?”

“गान्धीपथ ।”- जबाब भेटलै ।

“ई पथ शहर स बहराइत अइछ कि नइँ ? ” _ ओ दोसर प्रश्न कयलक ।

“पता नइँ !” – ओ पिद्दीसन लाग’बला आदमी गल्लीमे घुसिया गेल ।

ओ उनैट क’ तकलक । लाठीबला गान्धीबबा ओहिना मुरुत बनले छलाह । ओ जोर स साँस लेलक आ भागल । सुनसान शहरमे, ओ दौड़ैत रहल, भगैत रहल । मुदा ई गान्धीपथ छल जे खतमे नइँ भ’ रहल छल ……..।

२-

इश्वरभक्त

ओ पहिने कहलकै – “हे ईश्वर ! दिक्कत अइछ , एकटा गाड़ी दिता ।”

फेर ओकरा बुझयलै जे ईश्वर एना, डाइरेक्ट त नइँ दैछै । ईश्वर त प्रेरित करैछै ।

ओ एकटा नीक गाड़ी चोरी कयलक आ हँसैत बाजल – “सब तोरे कृपा छौ, सब तोरे माया छौ हे ईश्वर ! हमरा माफ करिहा ।”