स्ट्रीट पोएट्री प्रतियोगिता सम्पन्न





जनकपुरधाम ।
संविधान दिवसक अवसरमे विद्यार्थीसभके लक्षित कऽ स्ट्रीट पोएट्री प्रतियोगिता सम्पन्न भेल अछि ।
युवासभमे साहित्यप्रतिके अभिरुचि जगेबाक उद्देश्यसँ संविधान दिवसके अवसरमे विभिन्न काव्य प्रस्तुती सहित स्ट्रीट पोएट्री प्रतियोगिता सम्पन्न भेल अछि । प्रतियोगितामे राजनीति शिर्षकके कविता प्रस्तुत कएने मिस आर्ट प्रथम स्थान प्राप्त करए सफल भेल छलथि । प्रियम झाके पुरनका गाम शिर्षकके कविता दोसर स्थान आ माँ शिर्षकके दुगेशनन्दनीक कविता तेसर स्थान प्राप्त कएने छल ।

संस्था लिओ आ लायन्स क्लब अफ जनकपुरधामद्वरा आयोजित एहि प्रतियोगितामे दर्जनो विद्यालयसँ विद्यार्थीसभक सहभागिता रहल छल । प्रतियोगिताक उदघाटन लिओ क्लब अफ जनकपुरधामक अध्यक्ष रितिक सिंह कुश्वाहा , प्रमुख अतिथि जनकपुरधामक पुर्ब नगरप्रमुख लालकिशोर साह, लायन्स कलब अफ जनकपुरधामक अध्यक्ष हरि राउत आ निर्णायक मंण्डलमे रहल कवि काशिकान्त झा , देविकान्त मिश्र आ कवियत्री बिन्दु ठाकुर कएने छलथि ।

प्रतियोगितामे १७ गोटे प्रतिस्पर्धीसभ अपन काव्य प्रस्तुती रखने छलथि । कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि लालकिशोर साह आधुनिकताक पाछा भागि रहल युवासभके कारण साहित्यिक गतिविधि कम होइत जा रहलप्रति चिन्ता व्यक्त कएलन्हि अछि । एखन धियापुतासभके किताबी शिक्षा मात्रे नहि कि साहित्यिक गतिविधिदिस अग्रसर होबएबला कृयाकलाप विद्यालयस्तरसँ हएब आवश्यक रहल हुनक कहब छलन्हि ।
बहुतो विद्यार्थी साहित्य आ आन आन कलाक क्षेत्रसभमे रुचि नहि रखैत अछि, आ जे रखबो करैत छथि हुनकासभके अवसरके अभावक कारण पाछा पडि़ रहलप्रति पूर्व नगरप्रमुख ससाह चिन्ता व्यक्त कएलन्हि । युवासभमे साहित्यप्रतिके लगाव बढाबएमे एहि प्रकारक प्रतियोगितासभ महत्वपूर्ण योगदान देत से हुनक विश्वास छल ।