Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

मैथिली कविताः मिथिला हमर महान यौ





कालिदास विद्यापति साइन्स कलेज उच्चैठ बेनीपट्टीक पूर्व प्राचार्य रहल डा. शुभ कुमार वर्णवाल चार दशकसँ बेसी समयसँ
साहित्य लेखनमे सक्रिय छथि । एखनधरि हिनक ८ टा पुस्तक प्रकाशित भेल अछि । हिनक नव कविता पढ़ी –

डा. शुभ कुमार वर्णवाल

मधुबनी मिथिला दीपक बेटा
शुभ कुमार हमर नाम यौ।
सियाक नगरी पावन भूमि
जय-जय मिथिला धाम यौ ।।

स्वर्ग सँ’ सुन्दर पावन भूमि
मिथिला हमर महान यौ;
धोती-कुर्ता-पाग-दोपटा
सुन्नर अछि परिधान यौ ।

ऋषि-मुनि-संत-सुधी-विवेकी
प्रतिभा ज्ञानक खान यौ ;
मंडन-भारतीक घरमे सुग्गा
वाचल नीति आ ज्ञान यौ ।

शंकराचार्य पराजित भेला
विदुषी भारती मान यौ ;
स्वयं महादेव चाकर उगना
खिस्सा बहुत पुरान यौ ।

कवि विद्यापति-उदयन-चंदा-
लालदास गुमान यौ ;
डीह अयाची कीर्ति अमर अछि
शंकर सुत गुणवान यौ ।

ज्ञानी जनक बनल हरवाहा
जोतल खेत वीरान यौ ;
जनक नन्दिनी सीता बनलीह
कण-कण मे विद्यमान यौ ।

पुष्प वाटिका मोहक सुषमा
सीता देखल श्री राम यौ ;
शिव धनु तोड़िक’ पाहुन बनलाह
पुरुषोत्तम भगवान यौ ।

दूर होयत कखन समस्या
बाढ़ि-सुखाड़ सँ’ त्राण यौ ;
हाल किसानक पिछड़ल मिथिला
खेती आ खरिहान यौ ।

युवा लोकनि सब गाम छोड़िक’
मुंबई- दिल्ली- आसाम यौ ;
कृषक हमर जे भूमिपुत्र छथि
रोटी लेल फिरेशान यौ ।

पग-पग पोखरि माछ-मखान
विज्ञ-गुणी-जन शान यौ ;
गंगा-गंडक-कोसी-जीबछ
बहय कमला बलान यौ ।

कृषि आधारित होइ कारखाना
व्यवसाय हएत वरदान यौ ;
चहुदिस होयत सम विकास आ
मिथिलाक हएत कल्याण यौ ।