Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

मैथिली भजन





चन्द्रमोहन झा ‘पड़वा’ मैथिलीक चर्चित कवि छथि । कथा, निवन्ध लेखनक संगहि अनुवाद काजमे सेहो सक्रिय रहल पड़वा दरभंगाक महाराज महेश ठाकुर कलेजक मैथिली विभागक शिक्षक छथि ।

 चन्द्रमोहन झा ‘पड़वा’
भगवान अहाँके मन्दिरमे,
हम नव पुजारी आयल छी ।
पुजाक लेल नहि किछु आनि सकल,
हम ओहिना तँ चलि आयल छी ।।
भगवान–––
हृदयकें मन्दिर बना मूर्ति,
अपनेकेँ हम बैसौने छी।
भगवान दिय पुजाक शक्ति,
हम अहिक शरणमे आयल छी ।।
भगवान––––
गजराज –द्रोपदीक सुनि वाणी
संकटसं अहाँ बचा लेलहुँ ।
आब हमर समय आयल प्रभु
हम मोन पारय लेल आयल छी ।।
भगवान–––
ईष्र्या–द्वेष भरल जगमे
किओ अपन मित्र नहि सुझि रहल
सुनि नाम अहाँके दीनबंधु
ल’ अपन निवेदन आयल छी ।।
भगवान––––
हम दास अहिंके छी भगवन,
दोसर नहि कियो सहारा छथि ।
बस एक बेर तँ दर्शन दी
हम दर्शनकें अभिलाशी छी ।।
भगवान––––