Breaking 
नो केवलकार समुहले आन्दोलनको घोषणा गरे, अब म मुकुमलुङ जान्छु - पूर्वउप प्रधानमन्त्री राजेन्द्र महतो | जापानले हेल्थ केयरमा २० हजार नेपाली लैजाने | काठमाडौंमा फेरि शक्ति प्रदर्शन गर्ने तयारीमा शिक्षकहरू | माओवादी केन्द्रले बोलायो जनप्रतिनिधिको राष्ट्रिय भेला | काठमाडौं विश्वविद्यालयको उपकुलपति छनोट समितिले अन्तिम १० जना प्रतिस्पर्धीको सूची सार्वजनिक गरे | प्रधानमन्त्री ओलीलाई पदमुक्त गर्न माग गर्दै सर्वोच्चमा निवेदन दर्ता | वन मन्त्रालयको नाम फेर्न प्रस्ताव | खानेपानी मन्त्रालयमा भएको आगलागीको छानबिन गर्न माग | नो केबलकार समूहद्वारा थप आन्दोलनको घोषणा | ममता कुलकर्णीबिरुद्ध आवाज उठाउने हिमाङ्गी सखीमाथि सांघातिक आक्रमण |

मैथिली भजन





चन्द्रमोहन झा ‘पड़वा’ मैथिलीक चर्चित कवि छथि । कथा, निवन्ध लेखनक संगहि अनुवाद काजमे सेहो सक्रिय रहल पड़वा दरभंगाक महाराज महेश ठाकुर कलेजक मैथिली विभागक शिक्षक छथि ।

 चन्द्रमोहन झा ‘पड़वा’
भगवान अहाँके मन्दिरमे,
हम नव पुजारी आयल छी ।
पुजाक लेल नहि किछु आनि सकल,
हम ओहिना तँ चलि आयल छी ।।
भगवान–––
हृदयकें मन्दिर बना मूर्ति,
अपनेकेँ हम बैसौने छी।
भगवान दिय पुजाक शक्ति,
हम अहिक शरणमे आयल छी ।।
भगवान––––
गजराज –द्रोपदीक सुनि वाणी
संकटसं अहाँ बचा लेलहुँ ।
आब हमर समय आयल प्रभु
हम मोन पारय लेल आयल छी ।।
भगवान–––
ईष्र्या–द्वेष भरल जगमे
किओ अपन मित्र नहि सुझि रहल
सुनि नाम अहाँके दीनबंधु
ल’ अपन निवेदन आयल छी ।।
भगवान––––
हम दास अहिंके छी भगवन,
दोसर नहि कियो सहारा छथि ।
बस एक बेर तँ दर्शन दी
हम दर्शनकें अभिलाशी छी ।।
भगवान––––