Breaking 
गणतन्त्रको जग हल्लिनेबला छैनः विमलेन्द्र निधि | नेपालक नेतासभक बीच hate speech बैढ रहल | मोडेल कलेजका कानून तर्फ अध्ययनरत बिद्यार्थीसंग उच्च अदालत जनकपुरको न्यायिक सम्वाद कार्यक्रम | नेकपा माओवादी केन्द्रका उपाध्यक्ष कृष्णबहादुर महराले भने – देशको परिस्थिति अत्यन्तै जटिल छ, के हुन्छ भन्न सकिँदैन | मधेसको राजधानी जनकपुरधामबाट लिङदेनको सन्देश– ‘होशियार तपाईको मत तपाईको धर्मबिरुद्ध प्रयोग हुँदैछ’ | पूर्वराजाको समर्थनमा नारायणहिटी दरबारको गेटमा प्रदर्शन | पूर्वराजाले गरे गोरखकाली र गोरखनाथमा २ घण्टा पूजा | ड्राइभरबिनै हुइँकिने गाडी | मैथिली कथा – आदर्श | आइपीएलमा सहभागी १० टोलीका कप्तानहरुको रेकर्ड |

मैथिली कविताः करैत रहु अभिनन्दन





संतोष कर्ण व्यंग्य लिखएमे माहिर छथि । हिनक व्यंग्यशैलीमे रेडियो नाटक बहुत चर्चित रहल अछि । कविता आ टिप्पणी सेहो गजबक रहैत अछि । एहिमे पढि़ व्यंग्य कविता

 संतोष कर्ण
स्वार्थ के सेहो सीमा होइछ,
निस्वार्थ के नै कोनो बन्धन !
लालच तहन झल्कैत अछि,
जहन पद लेल होइछ गंजन !!

वार्ता, छलफल करैत करैत,
सब भेल छथि अतिरंजन !
भोग विलाशक भुतमिर्गी के,
उतारहुँ हे दुःखभंजन !!

भैर ढिंह्र खा क, बैँस गमा क,
फेर ओहे करै छथि मंजन् !
लाजो नहि,निर्लज्ज केहन,
महा बुडिराज,बुडिनन्दन् !!

हमरे आहाँक कर्मक फल जे,
पटमुर्खसब बनल रविरंजन !
विधना के लिखल कोना मेटायब,
तें करैत रहु अभिनन्दन !!

करैत रहु…