Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

मैथिली कविताः करैत रहु अभिनन्दन





संतोष कर्ण व्यंग्य लिखएमे माहिर छथि । हिनक व्यंग्यशैलीमे रेडियो नाटक बहुत चर्चित रहल अछि । कविता आ टिप्पणी सेहो गजबक रहैत अछि । एहिमे पढि़ व्यंग्य कविता

 संतोष कर्ण
स्वार्थ के सेहो सीमा होइछ,
निस्वार्थ के नै कोनो बन्धन !
लालच तहन झल्कैत अछि,
जहन पद लेल होइछ गंजन !!

वार्ता, छलफल करैत करैत,
सब भेल छथि अतिरंजन !
भोग विलाशक भुतमिर्गी के,
उतारहुँ हे दुःखभंजन !!

भैर ढिंह्र खा क, बैँस गमा क,
फेर ओहे करै छथि मंजन् !
लाजो नहि,निर्लज्ज केहन,
महा बुडिराज,बुडिनन्दन् !!

हमरे आहाँक कर्मक फल जे,
पटमुर्खसब बनल रविरंजन !
विधना के लिखल कोना मेटायब,
तें करैत रहु अभिनन्दन !!

करैत रहु…