Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

एहिकारण बहुत किछु बिसैरि जाइत छी !





मनुष्यक स्मरण शक्ति सेहो आश्चर्यजनक होइत अछि । कतेक बात हमसभ लम्बा समयधरि स्मरण कएने रहैत छी तँ कतेक बात क्षणभरिमे बिसैरि जाइत छी । एना किए होइत अछि ? कहिओ सोचबो कएलिया !
चिकित्सकसभ कहैत छथि हमरासभक मस्तिष्कमे दूटा मेमोरी (स्मरण शक्ति) होइत अछि– इमिडिएट (तत्काल) आ रिमोर्ट । इमिडिएट मेमोरीमे दैनिक भेल गतिविधि भण्डारण होइत अछि तँ रिमोर्टमे पुरान–पुरान बातसभ भण्डारण भऽ कऽ रहैत अछि । जे उमेर बढितो कहिओ नहि बिसरैत छी ।
ताहि कारणेँ कतेक बात लम्बा समयधरि बिसरए आ कतेक बात स्मरण नहि करएकेँ बहुत कारण हएत ।
तनाव, दिमागद्वारा देने महत्व, भिटामिन बी–१२ क कमी, बारम्बार दोहोराएवला वातावरण आ उमेर
उमेर बढैत गेलापर दिमागक शक्ति सेहो कमजोर होइत जाइत अछि । एहिसँ स्मरण शक्ति कम होइत जाइत अछि । एकरा अल्जाइमर्स रोग कहल जाइत अछि । प्रायः वृद्ध अवस्थामे गेलाक बाद एना होइत अछि । एहि समय एखनकेँ बात बिसरए आ पहिलाक बात स्मरणीय वा याद रहैत अछि । कारण पहिलाक बात मेमोरीमे भण्डारण भेल रहैत अछि । एखनकेँ बात मेमोरीमे भण्डारण नहि भेल रहैत अछि । ताहि कारणेँ कि खाइ वा कहिआ खएलहुँधरि बिसरि जाइत अछि ।