

जनकपुरधाम ।
राम निरंजन जनता डिग्री महाविद्यालय रामपुर मधवापुर भारतमे ४८ अम वाहिनी सशस्त्र सीमा बल जयनगर आ नेपालक सर्लाहीे बीच मैत्रीपूर्ण क्रिकेट मैच सम्पन्न भेल अछि ।
वीर शिवाजी टी–२० क्रिकेट टूर्नामेन्टक उदघाटन हरलाखी विधानसभाक बिधायक सुधांशु शेखर कएलन्हि । ओहि अवसरपर विभिन्न क्षेत्रक व्यक्तिक उपस्थिति रहल छल ।
एसएसबीक कप्तान एवं उप कमान्डेन्ट विवेक ओझा टस जीतकऽ पहिने व्याटिगं लेलन्हि । एसएसवीक टीम निर्धारित २० ओभरमे १५९ रनक स्कोर बनौलक । जाहिमे सर्वाधिक रणविजयक रहन्हि । ओ शानदार ४४ रन बनौलन्हि ।
प्रतिउत्तरमे व्याटिंग करैत सर्लाही टीम मात्र ६५ रन बना सकल । आ एसएसबी ९४ रनसँ जीत हासिल कएलक ।
एसएसबीक दिससँ देशराज ३ विकट लेलन्हि संगहि २४ रनक ताबड़तोड़ पारी खेललन्हि । हुनका प्लेयर अफ द मैच घोषित कएल गेल ।
