

जनकपुरधाम ।
अयोध्यासँ आएल बरियाती महोत्तरी जिल्लाक मनराशिसवा नगरपालिकामे पहुँचलाक बाद स्थानीयवासीसभ भव्य स्वागत कएलक अछि । नगरपालिकाक मेयर गोपाल पाण्डेक नेतृत्वमे कएल गेल ओ स्वागत कार्यक्रममे स्थानीयबासीसभ उमडि़ गेल छल ।
दशरथजीक भूमिकामे आएल विश्व हिन्दू परिषद्क अन्तर्राष्ट्रिय मन्त्री राजेन्द्र सिंह ‘पंकज’ केँ मेयर पाण्डे अभिनन्दनपत्र देलन्हि । ओ अभिनन्दनपत्र संस्कृत भाषामे लिखल छल ।
मनराशिसवामे जलपानक व्यवस्था सेहो कएल गेल छल । आइए जनकपुरधामसँ अयोध्याक लेल बरियाती प्रस्थान कएलक अछि । जलेश्वरमे सेहो भव्य स्वागत कएल गेल । आइ राति बरियातीकेँ बीरगञ्जमे रुकएकेँ कार्यक्रम रहल अछि । दिनमे मलंगवामे बरियातीक भोजन छल । मलंगवामे सेहो हजारो स्थानीयवासी बरियातीक स्वागत कएलन्हि ।

