Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

विवाहपञ्चमीक शोभा यात्रापर दरभंगामे पत्थरवाजी, दू समुदायबीच झडप





जनकपुरधाम ।
भारतक बिहारस्थित दरभंगामे विवाहपञ्चमीक शोभा यात्रापर पत्थरवाजी कएल गेल अछि । लहरियासराय थाना अन्तर्गत दरभंगाक वाजिदपुर क्षेत्रसँ विवाहपञ्चमीक शोभा यात्रा निकलल् समयमे पत्थरवाजी भेल अछि ।
शोभा यात्रापर पत्थरवाजी भेलाक बाद दू समुदायबीच झडप सेहो भेल पुलिस जनौलक अछि । झडपमे परि कऽ ३ गोटे सामान्य घायल सेहो भेल छथि । यद्यपि झडपके कारण सम्बन्धमे पुलिस अनभिज्ञयता प्रकट कएलक अछि ।
दरभंगामे बितल २० वर्षसँ विवाहपञ्चमीक अवसरमे शोभा यात्रा निकलैत आएल छल । मुदा कहिओ एहि प्रकारक अप्रिय घटना नहि घटल स्थानीयके कहब अछि ।
एम्हर घटनास्थल पहुँच पुलिस स्थितिके सामन्य बनौने अछि तऽ घटनाक सम्बन्धमे अनुसन्धान सेहो कऽ रहल अछि ।