Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

विवाहपञ्चमीके स्मरणीय बनाबए दस्तावेजीकरण कएल जाए





उमेश मण्डल
केन्द्रिय सदस्य
तमलोपा
प्रत्येक वर्ष अगहन शुक्ल पञ्चमी तिथिक दिन मनाओल जाएबला पाबनि विवाहपञ्चमी महोत्सव कोनो नयाँपर शुरु नहि भेल अछि । ई महोत्वस मिथिलावासीक लेल पौराणिक आ प्राचीन परम्परा अछि । एहिके हम मिथिलावासीसभ महाउत्सवके रुपमे प्रत्येक वर्ष मनबैत आएल छी । त्रेता युगमे भेल सीतारामक विवाहके सुन्दर स्मृतिके अखनोधरि वएह आस्थाक संग जोडि़ कऽ रखने छी कहैत छथि तराई मधेस लोकतान्त्रिक पार्टी(तमलोपा)क केन्द्रिय सदस्य उमेश मण्डल । ओ कहैत छथि ‘विवाहपञ्ची वएह उत्साह आ खुशीक अनुभूति करबैत अछि जेना अपन बहिन बेटीक विवाहमे अनुभूति होइत अछि ।’ कोनो वर्ष ई नहि लगैत अछि जे ई स्मृति मात्रे अछि ।
प्रत्येक वर्ष आयोजना होबएबला सीताराम विवाह उत्सव वास्तवमे विवाहे भऽ रहल देख रहल छी से महशुश करबैत अछि । किए तऽ विवाहमे ओ प्रत्येक विधि व्यवहार कएल जाइत अछि जे सभ रामायणमे वर्णित अछि आ जे सभ मैथिलसभक विवाहमे होइत अछि ।
५ वर्षक अन्तरालपर होबएबला विवाहपञ्चमी तऽ मिथिलावासीक लेल महामहोत्सवे अछि जाहिसँ पूरा जनकपुरधाममे अदभूत वातावरणक निर्माण करैत अछि । मुदा हमरा अहाँक कमजोरीक कारण ओ महामहोत्सव धुँधला परि जाइत अछि । किए तऽ एहिके दस्तावेजीकरण नहि कएल जाइत अछि । एहिके दस्तावेजीकरण हएबाक चाही किए तऽ विवाहपञ्चमी महोत्सवके स्मरणीय बनाओल जा सकैत अछि । एहि महाउत्सवके दस्तावेजीकरण नहि भेलाक कारण विवाहपञ्चमीमे होबएबला गतिविधिके किछु वर्षक बाद खोजल जाइत अछि तऽ नहि भेटैत अछि । तएँ दस्तावेजीकरण कऽ प्रत्येक वर्षक गतिविधि प्रकाशन सेहो हएबाक चाही । जे विवाहपञ्चमीके नीक प्रचार प्रसारक माध्यम भऽ सकैत अछि ।
विवाहपञ्चमीक अवसरमे होबएबला सरसजावट आ व्यवस्थापनक लेल एकिकृत फण्डके व्यवस्था करबाक चाही । जाहिके सहयोगसँ विवाहपञ्चमी महोत्सवक आयोजन आन आन वर्षक तुलनामे कोनो कमी नहि हुए आ प्रत्येक वर्ष ई उत्सव भव्य सेहो लागत । भऽ सकए तऽ एहिके लेल एकटा अलगे कोष ठाड़ कएल जाए संगे महासमितिक गठन सेहो कएल जाएत तऽ नीक रहत । प्रत्येक जनकपुरधामवासीक लेल ई उत्सव रहलाक कारण सभटा भार जानकी मन्दिरेपर नहि देल जा सकैत अछि । एहिके लेल नेपाल सरकार, मधेस सरकार तथा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका तीनु तहके सरकारके गम्भिर हएब आवश्यक अछि । किए तऽ विवाहपञ्चमी मात्रे जनकपुरधामक उत्सव नहि अछि पूरा नेपालक लेल गौरवके विषय अछि ।
आई यदि नेपाल भारतबिच बेटीरोटीक सम्बन्ध कायम अछि तऽ इएह विवाहपञ्चमी उत्सवक बलपर ।
एतबी नहि विवाहपञ्चमीक विषयमे जानकारी युवा पुस्ताधरि पहुँचौनाई सेहो ओतबे जरुरी अछि । एकर महत्व युवा पुस्ताके सेहो बुझाबएके दिशामे काम करबाक चाही । कारण अखनके समयमे युवासभ एहिसभसँ दूरी बना रहल छथि ।
२०÷२५ वर्ष मात्रे पाछा जाएब तऽ अयोध्यासँ जनकपुरधाम आबएबला बरियातीके घोरा, हातीपर बैसा कऽ घुमाओल जाइत छल जे आब बन्द भऽ गेल अछि । एहिके पुर्नजीवित कऽ विवाहपञ्चमी महोत्सवमे नयाँपन थपल जा सकैत अछि । अर्थात पहिने जेसभ होइत छल ओहिके समावेश कऽ संगे किछु नयाँ कार्यक्रमसभ थपल जाएत तऽ विवाहपञ्चमी उत्सव आओर भव्य हएत ।

प्रस्तुतीः शिवानी मिश्र