Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

मधेसक शैक्षिक अवस्था ‘राम भरोसे’





नेपालक सातु प्रदेशमे सभसँ सुगम प्रदेशके रुपमे मधेस अछि । मुदा जखन शिक्षाक बात करी तऽ सभसँ पछुवाएल मधेसे प्रदेश अछि । ओना मधेसमे शिक्षाक डेग आगा बढि रहल अछि मुदा अपांगजकाँ ।
जाहि प्रदेशक वासी हम छी आई वएह प्रदेशसक सम्बन्धमे लिख रहल छी मुदा प्रशंसा नहि कनी हिमताई लिख रहल छी । एतुका किछु अदुुरदर्शी नेतासभके नारा रहैैत छन्हि हम्मर पहिचान मधेस अछि, हम मधेसी छी । अप्पन पहिचानपर गुमान करब उचिते अछि मुदा गुमान करए लायक मधेसमे कि अछि ताहुपर विचार करब आवश्यक अछि । मधेसक परम्परा, मधेसक संस्कृति हाय रे सोचमे पैसल विकृति । समय आब पहिनहिजकाँ नहि रहि गेल अछि । पूरा संसार आधुनिकता दिस द्रुत गतिसँ आगा बढि रहल अछि । हम ई नहि कहैत छी जे अप्पन परम्परा संस्कृतिपर गर्व नहि करु, संरक्षणक लेल काज नहि करु । हम तऽ ई कहए चाहैत छी मधेस शिक्षित हएत तऽ परम्परा, संस्कृति अपने बचल रहत ।
एक समय छल अहिठामक शिक्षक पूरा नेपालमे शिक्षाक ज्योती फैलाबैत छल । मुदा आब दुर्भाग्य कहु या नेपाली राजनीतिकर्मीसभक अदूरदर्षिता मधेसक शैक्षिक गुणस्तर पूर्णतः ध्वस्त भऽ गेल अछि । किए तऽ मधेसक शैक्षिक गुणस्तर अखन सड़ल धागासन कमजोर अवस्थामे पहुँच गेल अछि । कोनो समयमे एहि क्षेत्रक मात्रे नहि कि पूरे नेपालक लेल प्रतिष्ठित शैक्षिक संस्थाक रुपमे रहल जनकपुरधाम रामस्वरुप रामसागर बहुमुखी क्याम्पस, वीरगंजक ठाकुरराम क्याम्पस, सप्तरीक विन्देश्वरी क्याम्पस अपन अतितपर गर्व तऽ कऽ रहल अछि मुदा वर्तमानपर लज्जित सेहो अछि । एहि क्याम्पससभसँ पहिने विद्वान खानि निकलैत छल मुदा वर्तमानमे विद्यार्थीसभ ओहिठामसँ कहुना उतीर्ण करबाक उद्देश्यसँ एडमिशन करबैत अछि ।
मधेसक शैक्षिक अवस्था सामुदायिक विद्यालय वा सरकारी क्याम्पससभमे मात्रे कमजोर अछि से नहि कतेको एहनो निजि विद्यालय वा क्याम्पससभ अछि जतएके शैक्षिक अवस्था देखि ‘हे राम’ मात्र कहल जा सकैत अछि । ओना मधेसमे शैक्षिक सामाग्री, शिक्षक छनौटमे त्रुटी, विद्यार्थीक अनुपातमे शिक्षकके अभाव सहितक कारणसँ सेहो एतुका शिक्षा प्रणाली कमजोर होइत जा रहल जनकपुरधाम ४के सन्ध्या भगतके कहव छन्हि । ओ मधेसक हिसाबसँ शिक्षा नीति नहि भेलाक कारण सेहो एतुका विद्यार्थीसभक सिखएके वा अध्ययन् करएके क्षमता कमजोर होइत जा रहल कहैत छथि । ओना हुनकरर बातसँ सहमत सेहो छी । मधेसक विद्यार्थीके लेल कोनो दोसर देश वा पहाडक विद्यार्थीके हिसाबसँ शिक्षा नीति बनाओल जाएत तऽ कहिओ कल्याण नहि भऽ सकैत अछि । इएह कारण अछि जे मधेसक विद्यार्थी बिचेमे पढाई छोडि़ कऽ हातमूह जोडबाक अभिप्रायसँ वैदेशिक रोजगारीक लेल पलायन होइत जा रहल अछि । तएँ तऽ नेपालमे सभसँ बेसी वैदेशिक रोजगारीक लेल मधेसेसँ युवा जनशक्ति पलायन होइत जा रहल अछि । फेर हुनकासभमे सीपके अभावमे ओहुठाम विभिन्न प्रकारक समस्यासभसँ सामना करए पडैत अछि । अतेकधरि कि अनाहकमे मृत्युवरण सेहो करए पडि़ रहल अछि ।
ओना नेपाल सरकार २०६५ सालमे देशभरिसँ निरक्षरता हटेबाक अभियानके शुरुवात कएने छल । सरकार २ वर्ष भितर निरक्षरता उन्मूलन करएके उद्देश्यसँ ओ अभियानक शुरुवात तऽ कएलक मुदा शुरुमे प्रभावकारी डेग उठबितो बादमे ओ अभियान सुुस्ता गेल ।
सरकार एहि अभियानक नाममे पछिल्ला डेढ दशकमे १० अर्बसँ बेसी रुपैयाँ खर्च कऽ चुकल अछि । मुदा एहि अभियानक प्रभाव मधेसमे खासे नहि पड़ल । शिक्षा तथा मानव श्रोत विकास केन्द्रक अनुससार मधेस आ कर्णालीक १३ टा जिल्ला साक्षर जिल्ला नहि होबए सकल अछि । मधेसके तऽ कोनो जिला साक्षर होबए नहि सकल अछि । हएबो कोना करत एतुका अदूरदर्षी राजनीतिकर्मीके लेल एहिठामक नागरिक शिक्षित होबएके मतलब गर्दनपर तरबार लटकनाई बराबर अछि, ई हम नहि जनकपुरधाम रोशन मिश्रक कहव छन्हि । ७ प्रदेशमेसँ ६ प्रदेश शिक्षाक हिसाबसँ प्रगति कएलक मुदा मधेस नहि करए सकल आखिर किए ? मिश्रक प्रश्न छन्हि । एतुका विद्यार्थीसभलग सर्टिफिकेट अछि मुदा गुणस्तरियता नहि अछि । किए तऽ एहिठाम चोरी कऽ कऽ उतीर्ण करएबला विद्यार्थीसभक संख्या बेसी अछि । चोरी करएबला विद्यार्थी आ चोरी कराबएमे संलग्न शिक्षक वा ककरो कानूनी सीमामे आनि कऽ कडा कारबाही करए ओ आग्रह करैत छथि ।
शिक्षा ककरो जबरदस्ती नहि देल जा सकैत अछि मुदा ओहि प्रकारक वातावरणके निर्माण कएल गेल तऽ प्रत्येक नागरिकके शिक्षित बनाओल जा सकैत अछि । शैक्षिक पूर्वाधारसभके दुरुस्त बना कऽ शैक्षिक गुणस्तर बढाबए दिस एक डेग आगा बढल जा सकैत अछि । यदि राजनीतिकर्मीसभ भाषण मात्रे नहि कऽ सचमे एतुका धियापुताके शिक्षाक लेल गम्भिर हेता तऽ मधेस मात्रे नहि कि पूरे नेपालके भविष्य चमैक सकैत अछि । नहि तऽ मधेस प्रदेश शैक्षिक अवस्था राम भरोसे अछि आ राम भरोसे रहत ।