

जनकपुरधाम ।
‘स्वर कोकिला’ शारदा सिन्हा पंचतत्वमे विलिन भेलीह अछि । हुनका बिहारक राजधानी पटनामे राजकीय सम्मानक संग अन्तिम संस्कार भेल अछि ।
ओ अलविदा कहि चुकल छथि । मंगलराति दिल्लीक एम्स अस्पतालमे सिंगर अन्तिम श्वास लेने छलीह । बुधक दिन दिल्लीसँ हुनक पार्थिव शरीरकेँ पटना लाओल गेल छल । आइ गुलबीघाटपर राजकीय सम्मानक संग हुनक अन्तिम संस्कार कएल गेल अछि ।

शारदाक अन्तिम इच्छा छल जतए हुनक पति ब्रजकिशोर सिन्हाक संस्कार भेल छल ओतहि हुनका मुक्ति देल जाए । हुनक इच्छाक सम्मान रखैत पटनाक गुलबी घाटपर हुनक अन्तिम संस्कार भेल अछि । पटनाक राजेंद्र नगर स्थित घरसँ गुलबी घाटधरि शारदाक मुक्ति रथ निकालल गेल छल । हुनक अन्तिम दर्शनक लेल हजारोक भीड़ छल ।

७२ वर्षक उमेरमे ओ अन्तिम स्वास लेलीह अछि । सिंगर कैंसरसँ जूझि रहल छलीह । २०१८मे शारदाकेँ मल्टीपल मायलोमा होबएकेँ खबर आगाँ आएल छल, जे एक प्रकारक ब्लड कैंसर अछि । २६ अक्टूबर कऽ एम्स, दिल्लीमे हुनका भर्ती करवाओल गेल छल । अचानकसँ हुनक तबीयत बिगड़ए लागल छल । ओ वेंटिलेटर सपोर्ट पर छलीह । जीवनक अन्तिम समयमे सेहो गायिकीकेँ लऽ कऽ शारदा उत्साहित छलीह । ओ अस्पतालसँ हृदयनारायण झाद्वारा लिखित अपन अन्तिम छठि गीत ‘दुखवा मिटाईं छठी मइया’ रिलीज कएलन्हि ।

शारदाक एकटा आओर भिडियो आगाँ आएल अछि जाहिमे ओ अस्पतालमे अक्सीजन सपोर्ट पर रियाज करैत देखाएल छलीह । ओ गीत ‘सैयां निकस गए…’ गबैत देखल गेलीह । सिंगरक भिडिया देखिकऽ फैंस इमोशनल भेल छल । संगहि गायिकीक लऽ कऽ हुनक जुनून सेहो देखल गेल, जाहिसँ प्रशंसक आश्चर्यमे अछि ।
