

जनकपुरधाम ।
मैथिली आ भोजपुरी भाषाक चर्चित गायिकाक स्वास्थ्य अवस्था बहुत खराब भेल अछि । हिनका भेन्टिलेटरपर राखल गेल अछि । किछु दिनसँ भारतक दिल्ली स्थित एम्समे इलाज चलि रहल छल ।
शारदाक निधन भऽ गेल एहन अपवाहसभ आबि रहल समय हुनक पुत्र अंशुमन शारदाक अफिसियल युट्यूब चैनलपर आबि हुनक उपचार भऽ रहल जानकारी देलन्हि अछि ।
हुनक अवस्था खराब अछि मुदा चिकित्सक उपचारमे लागल ओ जानकारी देलन्हि अछि ।
एक महिना पूर्व शारदाक पतिक निधन भेल छल । पतिक निधनक बाद ओ बहुत दुखित रहैत छलीह ।
२००९ साल आसिन ६ गते शारदा सिन्हाकेँ बिहारक समस्तीपुरमे जन्म भेल अछि । ओ मैथिली भोजपुरी सहित विभिन्न भाषामे गीत गौने छथि । छठिक घाटपर नेपाल भारतक विभिन्न स्थानमे सभसँ बेसी हुनकेँ गाओल गीत बजैत अछि । तहिना उपनायन आच विवाहक गीत हुनके सभसँ बेसी लोकप्रिय अछि । शारदाकेँ १९५२ मे पद्मश्री, २०१८ मे पद्म विभूषण आ २००६ मे पद्म भूषणसँ सम्मानित कएल गेल छल ।
