Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

कलाणेश्वर स्थानक सिद्ध साधु सुधाकर बाबाक अन्तिम संस्कार सम्पन्न





जनकपुरधाम
कलाणेश्वर स्थानक सिद्ध साधु सुधाकर बाबाक अन्तिम संस्कार आइ बेरियामे सम्पन्न भेल अछि । बाबाक भातिज पंकज झा आगि देलन्हि अछि । बृहस्पति राति नेपाली समय अनुसार ११ बाजिकऽ १५ मिनेटमे बाबाक निधन भेल छल । ओ ७० वर्षकेँ छलथि ।
अन्तिम संस्कारमे भारी भीड़ छल । नेपालसँ सेहो बहुत लोक पहुँचल छलथि । निधनक बाद हुनक पार्थिव शरीरकेँ आमलोकक दर्शनक लेल कलाणेश्वर स्थानमे राखल गेल छल ।


सुधाकर बाबा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका २५ क बभनगामाक छलथि । ओ चारि दशक पूर्व परमहंश बाबाक शिष्य भऽ गेल रहथि । ओ कलणे स्थानपर रहैत छलथि । शरीरभरि ओ औंठी पहिरने रहैत छलथि । औंठी पहिरलाक कारणेँ हुनका स्थानीयसभ औंठी बाबा कहि कऽ श्रद्धवश सेहो कहल करैत छलन्हि ।
एक हप्ता पूर्व हृदयघात भेलाक कारणेँ हुनक उपचार बासोपट्टीमे भऽ रहल छल । हुनक उपचार डा. रमणकुमार कऽ रहल छलथि ।