

जनकपुरधाम
नेपाल प्रजातन्त्र सेनानी संघक केन्द्रीय सदस्य देवचन्द्र झा ‘देबू बाबू’क आइ निधन भेल अछि । ओ ९२ वर्ष छलथि । किछु दिनसँ ओ बिमार रहथि । २००७ सालक क्रान्ति योद्धा रहल देबू बाबू हरेक लोकतान्त्रिक आन्दोलनमे सक्रिय रहैत छलथि ।
हुनक निधनक बाद भोरेसँ जनकपुरधाम स्थित हुनक निवासमे नेपाली कांग्रेसक नेता कार्यकर्तासभक भीड़ लागल अछि । आइए देबु बाबूकेँ अन्तिम संस्कार कएल जाएत जानकारी हुनक जेष्ठ पुत्र आमोद झा देलन्हि अछि ।
