Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

कलाणेश्वर स्थानक सिद्ध साधु सुधाकर बाबा सिकिस्त बिमार





जनकपुरधाम
कलाणेश्वर स्थानक सिद्ध साधु सुधाकर बाबा सिकिस्त बिमार भेल छथि । हृदयघात भेलाक बाद हुनक इलाज सीमावर्ती क्षेत्र बासोपट्टीक माँ गिरिजा इमरजेन्सी हॉस्पिटल एण्ड क्रिटिकल केयरमे भऽ रहल अछि ।


जनकपुरधाम २५ बभनगामा पैत्रिक गाम भेल सुधाकर बाबा चारि दशकसँ बेसी समयसँ कलाणेश्वर स्थानमे रहि रहल छथि । कलना बाबाक ई प्रमुख शिष्यक रुपमे छथि । हिनक चेलासभ नेपाल भारतक विभिन्न स्थानमे रहल अछि ।हुनक अवस्था बुझए बभनगामासँ सेहो परिवारिक सदस्यसभ बासोपट्टी पहुँचल छलथि । मैथिल ब्राह्मण महासभाक केन्द्रिय अध्यक्ष भगवान झा हुनक पितियौत भाय छथि । चिकित्सक डा. रमण कुमारसंग भेट कऽ उपचारमे तीब्रता देबए ओ आग्रह कएलन्हि अछि ।
सुधकार बाबा पूरे शरीर औठी लगौने रहैत छथि । तँए हुनका औठी बाबा सेहो कहल जाइत छन्हि ।