

शिवानी मिश्र
जनकपुरधाम

आसिन शुक्ल पैरवाके शुरु भेल शारदीय नवरात्रि हिन्दुर्धमालम्बी सभकेँ हर्षोलासकसंग बितल मुदा आइ अन्तिम दिन रहल अछि । ठाम–ठाममे दुर्गा माताक पार्थिब मूर्ति विर्सजनक तैयारी भऽ रहल अछि । जहिना माताक आगमन प भक्तजनसभ हर्षोलासकसंग उत्साहित रहैत अछि तहिना माताक विर्सजनमे भतmजनसभक उदास आँखि रहैत अछि ।
जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका स्थित विद्यापति चौकक दूर्गा मन्दिरमे विर्सजनक लेल कमला प्रस्थान कएल गेल । मैयाक विर्सजनमे बहुतो लोक सम्मिलत भेल तँ छल मुदा सभक मँुह पर उदासि बैसल छल । जखन एकटा पुतौह गृह प्रवेश करैत अछि, अपना सँगे सुख समृद्धि लऽ कऽ अबैत अछि तहिना जखन मैया अबैत छथि तँ घर त घर नगर डगर सभ चमैक उठैत अछि । रातिओ दिने जकाँ चकमक करैत रहैत अछि ।
माताक विर्सजनके समय कोह फाइट जाइत अछि । जेना अपन बेटीकँे बिदागरी भऽ रहल अछि तेहन अनुभूति होइत अछि । विद्यापति ट्रष्टक अध्यक्ष दिपक झाके कहब रहल छन्हि –मैया बीना कोना रहब । शिक्षिका किरण झा भेटतए कहलीह दूर्गा मइआकेँ सभ माँ कहैत छन्हि मुदा विर्सजन दिन हुनका प्रति बेटीक भाव छलैक उठैत अछि । जहिना बेटी सासुर जाइत अछि तँ नैहर सुनसान भऽ जाइत अछि तहिना मैया जाइत छथि तँ सुनसान ।
ओ तँ इहो कहैत छथि– बरऽरे जतनसँ सिया धिया पोसनौह सेहो कोना सासुर जाएत… जतए–जतए दूर्गा माताकेँ प्रतिमा भसाओल जा रहल अछि ओहिठाम किछु एहने समदाओन सुनएमे अबैत अछि ।
