

सुजीतकुमार झा
जनकपुरधाम ।
चर्चित कलाकार वीन पटेलक युट्यूब चैनल फेरसँ शुरु भऽ रहल, साउन २५ गतेसँ टेलिश्रृंखलाक छायांकन हएत । ‘रमौलवाली(रीना यादव) अलग भेलाक बाद हमरसभक टेलिसिरियल रुकि गेल छल मुदा आब निरन्तर चलैत रहत,’ पटेल कहलन्हि ।
मैथिली टेलिसिरियलमे एखन ओकर कनिया ओकरासंग भागि गेल एहने घिसल पिटल कथा देखल जाइत अछि एहिमे सुधार हेतैक कि नहि ? एहिपर पटेल कहलन्हि, ‘एहि बातकेँ लऽ कऽ हम स्वयं चिन्तित छी, मुदा हमर टेलिश्रृंखला विषयवस्तुपर काज हएत समाजक प्रमुख समस्यासभ उठत ।
रमौलवाली(रीना यादव) आ वीएन पटेलक जोड़ी किए टुटल ? एहिपर ओ खुलिकऽ बातचित कएलन्हि । ओ कहलन्हि – रीनाक मैथिली रंगमञ्चपर आनहीवला हम छी ।
कलकतियाबाली टेलिश्रृंखला टीमक विषयमे सेहो हुनक धारणा आएल अछि । वीन पटेलसंगक बातचित किछुए देरमे मात्र https://www.youtube.com/@ModelKhabar पर ।

