

सुजीत कुमार झा
जहिना एमाले नेता रघुवीर महासेठ दम्पत्तिक रविदिन पत्रकार सम्मेलन भेल विमलेन्द्र निधिक समर्थकसभ हुनकापर टुटि पड़ल । महासेठक विवादित भिडियोसभ सामाजिक सञ्जालमे चलाए लागल । एकटा भिडियो एहन छल जाहिमे रघुवीरजी बाजल छलथि – एक हाथमे सिन्दूर आ दोसर हाथमे नागरिकता सम्भव नहि अछि ! एहन चलावएवला दर्जनमे छल । एकर तँ सयौ सेयर भेल ! फेर निधिकेँ विकास पुरुष कहिकऽ सेहो निधि समर्थक कांग्रेसीसभ दिनभरि सामाजिक सञ्जाल भाइरल कएलन्हि ।
निधि विकासक लेल कोन–कोन काज कएलन्हि मात्र प्रशंसा भरल लिखल सेहो भाइरल कएल गेल । चुनाबक समयमे होबएवला चीज दू वर्ष पहिनहि देखा देलक !
पत्रकार सम्मेलनक बाद महासेठ दम्पत्ति मौन छथि । चुकी रघुवीर आ जुली दुनू सांसद छथि । राजनीतिकेँ उपर लेबलकेँ नेता छथि किछु सोचिए कऽ मौन हेता वा नहि कहल नहि जा सकैत अछि । हुनक समर्थक सभ सेहो मौन अछि । इम्हरकेँ साइबर समूह पूरा सक्रिय ।
धनुषा जिल्लामे एखन निर्विवाद रुपसँ दूटा नेताक बर्चस्व अछि । निधि आ महासेठ । दुनू एक दोसराकेँ कमजोर देखाबएमे लागल छथि इहो सत्य अछि । एकर प्रारम्भ धनुषा निर्वाचन क्षेत्र नम्बर ३ सँ जुली महासेठकेँ चुनाब जीतलए दिनसँ शुरु भऽ गेल अछि । नगराइन नगरपालिकामे मेयर निधिक नजदीकक छथि तँ उपमेयर सहित बेसी सदस्य रघुवीर जुलीक । ओ नगरपालिका सेहो क्रियाशील नहि अछि । बेर–बेर विवाद होइत रहैत अछि । समयमे नगरसभा नहि भेलाक कारणेँ महिनो दिन कर्मचारीसभकेँ तलब नहि भेटैत अछि कहिओ तालाबन्दी तँ कहिओ अन्य विवाद होइतए रहैत अछि ।
निमित कार्यकारी प्रमुखक रुपमे रामगुलाम कर्ण ३ वर्षसँ आ ओहुँसँ बेसी समयसँ चला रहल छथि । हुनक प्रमुख योग्यता अछि ओ निधिक समर्थक छथि । ई बात महासेठ समर्थकसभकेँ नहि पचैत अछि । कर्णकेँ लऽ कऽ सेहो बेर–बेर विवाद होइत अछि ।
कनिदिन पहिने गंगासागरपर स्व. रामनारायण मिश्रक स्मृति भवन बनावएकेँ लऽ कऽ सेहो निधि आ महासेठ दम्पत्ति आमने सामने भऽ गेल छलथि । अदालतक आदेशमे एखन ओ भवन रुकल अछि मुदा इहो सत्य अछि निधि स्मृति भवन बनौक ताहिमे जीजान लगौने रहथि तँ महासेठ दम्पत्ति ओहिमे विभिन्न अवरोध पैदा कएलन्हि ।
एखन नव विवाद राजर्षि जनक विश्वविद्यालयकेँ लऽ कऽ अछि । निधि शनिदिन पत्रकार सम्मेलनक आयोजना कऽ राजर्षिजनक विश्वविद्यालयक भवन निर्माणमे धनुषा निर्वाचन क्षेत्र नम्बर ३ आ क्षेत्र नम्बर ४ सँ निर्वाचित प्रतिनिधिसभा सदस्यसभ अवरोध कऽ रहल आरोप लगौलन्हि ।
ओ भलहि नाम उल्लेख नहि कएलन्हि मुदा सभकेँ बुझल अछि धनुषा क्षेत्र नम्बर ३ सँ एमालेक जुलीकुमारी महतो आ क्षेत्र नम्बर ४ सँ रघुवीर महासेठ प्रतिनिधिसभा सदस्यमा निर्वाचित सांसद छथि । फेर दुनू पतिपत्नि सेहो छथि ।
निधिक पत्रकार सम्मेलनक २४ घण्टा नहि बितैत महासेठ दम्पत्तिक सेहो पत्रकार सम्मेलन भेल । महासेठक शब्द छल – ओ समानुपातिक सांसद छथि, चुनावे लड़बाक छन्हि तँ जनतामे भ्रमित नहि करथि । एखनेसँ खुरापाती नहि करथि । ओ तँ इहो कहलन्हि वर्तमान गठबन्धनकेँ मन नहि परावएवला घटकक किछु सांसदसभ छथि । कांग्रेस नेता निधिक नाम नहि लऽ महासेठले कहलन्हि ‘विदेशी शक्तिक इशारामे मधेसक एक दू गोटे समानुपातिक सांसद गठबन्धनक विरोधमे काज करैत आबि रहल छथि ।’
विश्वविद्यालय स्थापनाक लेल दुनू नेता बीच क्रेडिट लेबाक सेहो हरबरी देखल गेल । निधि शुरुसँ अन्तधरिक पूरे इतिहास सुनादेलन्हि जाहिमे महासेठ दम्पत्ति कतहुँ नहि छलथि जखन कि महासेठक अलगे कथा आएल ओ तँ अपने नेतृत्वमे तत्कालीन शिक्षामन्त्री प्रदीप नेपालसंग भेट कएने आ तहिएसँ काज बढ़ल जानकारी देलन्हि । जनकपुरधामक लोककेँ पहिलबेर ई कथा सुनएकेँ भेटल !
जे किछु पत्रकार सम्मेलन कऽ निधिकेँ एहि प्रकारसँ पहिल बेर प्रतिवाद भेल अछि । जहिआ निधि पत्रकार सम्मेलन कएने रहथि हुनका विश्वास नहि छल जे एहि प्रकारसँ प्रतिवाद हएत ! मुदा इहो सत्य अछि पत्रकार सम्मेलनक बाद महासेठ दम्पत्ति वा हुनक समर्थक चुप्प अछि ।
इन्जिनियर एवं समाजसेवी सत्यनारायण साहद्वारा सामाजिक सञ्जालमे लिखल एकटा प्रश्न कएलन्हि अछि – जनकपुरधाममे सकारात्मक रुपसँ रचनात्मक काज होएब किए भारी होइछ ? विद्वान मित्रसभकेँ एकर विश्लेषण करएकेँ आ समाधान सुझावएकेँ समय एखनो नहि आएल अछि तँ ? ई प्रसंगकेँ हुनकेँ प्रश्नसंग हमहुँ छोड़ए चाहैत छी ।
