

कहल जाइत अछि संस्कृत अधिकांश भाषाक जननी भाषा अछि । हिन्दु धर्मक पवित्र धर्मग्रन्थसभ वेद, पुराण, उपनिषद आदिक रचना इएह संस्कृत भाषामे कएल गेल अछि । तएँ हिन्दु धर्माबलम्बीसभ संस्कृत भाषाप्रति विशेष लगाव रखैत छथि । हमरो एहि भाषाप्रति विशेष लगाव अछि ।
हमरा मोनमे कखनो कऽ विचार अबैत छल संस्कृत लोक कोना वाचन करैत अछि, कोना बुझैत अछि, कि महिलासभ संस्कृत वाचन नहि करैत अछि वा नहि ज्ञान रखैत अछि ? एहन अनेक प्रश्न हमरा मोनमे उब्जैत छल । ई प्रश्नसभक कौतुहलता तखन जा कऽ शान्त भेल जखन डा. गायत्री झासंग हमरा भेट भेल ।
डा. गायत्री झा संस्कृतक शिक्षिका छथि । ओ एक दशकधरि जनकपुरधामक यात्रवल्क्य संस्कृत माविमे संस्कृतक शिक्षिकाकेँ रुपमे काज कएलथि । हुनका विषयमे जहिआ हमरा बुझबामे आएल तहिआ हम पत्रकारितामे प्रवेश नहि कएने रही । कवि गोष्ठीमे जाइत अबैत छलौँ वएह क्रममे हुनकासँ थोरबहुत बातचित होइत छल । मुदा पत्रकारितामे प्रवेश कएलाक बाद डा. गायत्री झाक विषयमे विशेष बुझएकेँ अवसर तखन भेटल जखन मोडेल खबरक कार्यक्रम नायक घर घरकेँ तैयार करबाक लेल हुनक घर पहुँचलौँ । संयोग कही महिला सभक सफलता सुनाबए बला आ अपना क्षेत्रमे तथा घर गृहस्थिमे संगे सफलता प्राप्त कएनिहार महिलासभक कथा कहएबला ई कार्यक्रमक संचालन हमही करैत छी ।
गायत्री शिक्षिकाक संग संगे साहित्यकार सेहो छथि । कार्यक्रम तैयार करबाक लेल जखन पहुँचलौँ तऽ ओ कहलथि हमरा तऽ अपन भाषा संस्कृते लगैत अछि । बाबुजीक इच्छा अनुसार हमसभ भाईबहिन संस्कृत अध्ययन कएने छी ओ आगा कहैत छथि । तएँ अपन मातृभाषा मैथिली संग संगे देव भाषा संस्कृतकेँ आगा बढाबएमे सकृयतापूर्वक लागल छी हुनक कथन छन्हि ।
शिक्षिकाक रुपमे काज करैत आएल डा. गायत्री अखन ई पेशाके विराम देने छथि । ओ मटिहानीस्थित संस्कृत कलेजमे अध्यापनक लेल ज्ञानकुपमे शिक्षिकाक पेशा छोडलन्हि । मटिहानीमे काजो कएलथि । मुदा जतेक कमाई नहि होइत छल ओहिसँ बेसी तऽ खर्च भऽ जाइत छल से सोचि कऽ ओहुठामक काज छोडि देलहुँ । मुदा अखनो ओ हरेश नहि खएने छथि । ओ कहैत छथि हम तऽ एहि भूगोलक प्रत्येक नवपीढिक युवा पुस्तासँ आग्रह करैत छी जे अपन भाषा संस्कृतिके नहि बिसरबाक चाही, आगा बढाबएमे लागए चाही । ई नहि कहैत छी पढाईपर केन्द्रित नहि होउ मुदा अपन भाषा संस्कृतिके सेहो नहि छोडु, किए इएह हमर अहाँक जढि़ अछि ।
कार्यक्रम नायक घर घरकेँमे हुनकासँ गीतनाद, कविता सेहो सुनलौँ । संगे हुनक संघर्षक कथा सेहो देखाएब । डा. गायत्री झासंगक सम्पूर्ण बातचित मोडेल खबरक पोडकास्ट चैनल https://www.youtube.com/@ModelKhabarपर प्रत्येक शुक्रदिन प्रसारण होबएबला कार्यक्रम नायक घर घरकेँ आइ देखए सकैत छी ।
