Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

नायक घर घरकेँमे– विजेता झा





मोडेल खबरक पोडकास्ट चैनलक नव कार्यक्रम नायक घर घरकेँ प्रत्येक शुक्रदिन प्रसारण होइत आबि रहल अछि । कार्यक्रमक चारिम श्रृंखलाक नायक विजेता झा छथि ।
विजेता नेकपा एमालेक मधेस प्रदेश सदस्य तथा धनुषा ३(क)के ईन्चार्ज छथि । ओ कुशल राजनीतिकर्मीक संगे कुशल गृहिणी सेहो छथि । कहल जाइत अछि राजनीतिमे सफलता प्राप्त करबाक लेल उर्जाक संग संगे अपन जीवनक बहुत समय खर्च सेहो करए पड़ैत अछि । एकटा महिला जिनका कान्हपर घरक जिम्मेबारी रहैत अछि एहनमे अन्य क्षेत्रमे समय देब चुनौतीपूर्ण बनि जाइत अछि । जे चुनौती पार कऽ आगा बढैत छथि ओ गृहिणीक संग संगे अन्य क्षेत्रमे सेहो अपन कुशलताक प्रमाण देबए  सफल होइत छथि । एहने व्यक्तित्वमेसँ एक छथि विजेता झा ।
इएह सोचि हमसभ कार्यक्रम नायक घर घरकेँ रेकर्डिङ्ग करबाक लेल हुनके घर पहुँचलौँ । हुनक एकटा बात हमरा बहुत बेसी प्रभावित कएलक । ओ कहलथि ‘जिम्मेबारी तऽ सभक माथपर रहैत अछि, हँ कुशलताके प्रमाण एहिठाम देबए पड़ैत अछि जे अहाँ कोना निर्वाह करैत छी ।’
जाहि काजक आवश्यक्ता जाहि समयपर रहैत अछि यदि ओहि समयपर नहि भेल तऽ ओहि काजमे कएल मेहनतक कोन अर्थ ? ओ कहैत छथि । तएँ हम समयके विशेष महत्व दैत छी । जे समयसंग तारतम्य मिलाबए सकत ओहे सफलताक शिखर सेहो चुमत । नहि तऽ समय ककर प्रतिक्षा करैत अछि ?
विजेताक ई बातसँ हम प्रभावित तऽ भेलौँ । हुनक इएह प्रभावित करए बला चरित्रक संगे हुनक कुशलताक रहष्यक खोजी कार्यक्रम नायक घर घरकेँ माध्यमसँ करएके प्रयास कएने छी । कुशल गृहिणी आ राजनीतिकर्मी विजेता झासंगक बातचित शुक्रदिन मोडेल खबरक पोडकाष्ट चैनल  https://www.youtube.com/@ModelKhabarमे प्रशारण  हएत ।