

जनकपुरधाम ।
भगदरक बाद अमृत स्नान कार्यक्रममे रोकिदेल गेल छल मुदा स्थिति समान्य होइतए ओ स्नान सम्पन्न भेल अछि । तीनू शंकराचार्य सहित अखाडाक साधुसभ सेहो ओ स्नानमे सहभागि भेल छथि ।
अमृत स्नानक लेल अखाडासभ भव्य तैयारी कएने छल मुदा मुदा भगदर घटनाक कारणेँ बहुत भव्यता नहि कएल गेल कुम्भक अधिकारीसभ बतौलन्हि । १३ अखाडा आजुक अमृतस्नानमे सहभागि भेल छथि ।
अमृत स्नान गंगा, जमुना आ सरस्वती नदीक संगम स्थलमे भेल अछि । ओ स्नानकाल साधुसन्तसभपर हेलिकप्टरद्वारा पुष्पवृष्टि कएल गेल अछि । जखन अखाडाक साधुसभ संगममे स्नानक लेल निकलल छलथि हजारो श्रद्धालु भक्तजन ताली बजा स्वागत कएलन्हि ।
भगदरक बाद महाकुम्भ आओर सुरक्षा बढाओल गेल अछि । कहल जाइत छैक १० करोडसँ बेसी लोक आइ ओ स्थलपर पहुँचल अछि ।

