Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

माघक चतुर्दशीक संग नरकनिवारणक बाट

एहिदिन विवाहक लेल लड़की लड़का देखब आ विवाहक दिन तय करब सेहो शुभ मानल जाइत अछि





सुजीत कुमार झा
जनकपुरधाम ।
जनकपुरधामक शिव मन्दिरसभमे मंगलदिन भोरेसँ भीड़ लागल अछि । प्रायः लोक उपवास कएने छथि आ शिवालयमे जलफूल आ बेलपत्रसंग पूजा कऽ रहल छथि । माघक चतुर्दशी कऽ उपवास कएलासँ नरकनिवारणक मान्यता भेलाक कारणेँ नेपाल भारतक सनातनीसभ विशेष निष्ठाक संग भगवान भोलेनाथकेँ पूजा करैत छथि ।
चतुर्दशी शिव भक्तक लेल बहुत महत्वपूर्ण होइत अछि । अजुके तिथिमे भोलेनाथकेँ पार्वतीसंग विवाह तय भेल छल । शास्त्रक अनुसार फागुन महिनाक चतुर्दशी कऽ भगवान शिवक विवाह भेल छल एहिकारणेँ ओकरा महाशिवरात्रि कहल जाइत अछि । जखनकि माघ मासक चतुर्दशीक दिन शिवजीक विवाह देवी पार्वतीक संग तय भेल छल एहिकारणेँ एकरा नरक निवारण चतुर्दशीक नामसँ जानल जाइत अछि । जानकी मन्दिरक उत्तराधिकारी महन्थ रामरोशन दास वैष्णव कहैत छथि, ‘आजुक दिन विधि–विधानसंग ब्रत उपासना कऽ भोले बाबाकेँ प्रसन्न कएलासँ किनको मृत्यु भेलापर नरक नहि जाए पड़ैत अछि ।’ ‘हम कुम्भमे छी एकरबादो उपवास बैसल छी,’ ओ आगाँ कहैत छथि ।
मानल जाइत अछि जे गृहस्थ आश्रममे हमरासभसँ जान अनजानमे किछु पाप भऽ जाइत अछि, जाहिसँ मुक्ति पाबिकऽ सभ स्वर्गमे स्थान पाबए चाहैत अछि । किओ नरक नहि जाए चाहैत अछि । मात्र अपन पापसँ मुक्तिक लेल भगवान शिवक ई उपवास ठीक ओही जकाँ रखैत छथि जाहि तरहे शिवरात्रिक उपवास रखैत छथि ।
जनकपुरधामक स्वर्गद्वारी स्मशानघाटमे भोरेसँ भीड़ अछि । स्वर्गद्वारीक कोषाध्यक्ष रवीन्द्र चौधरीक अनुसार भूतनाथ बाबाक पूजा करबाक लेल हमरासभक मन्दिरमे दिनभरि भीड़ छल । महादेवकेँ चन्दन, पुष्प, धूप, बेलपत्र, पञ्चामृत, धतुर, काँच दूध, फल आदि समर्पित कऽ पूजा कएलहुँ अछि मधुबन्नीबाली कहलीह । ओ जनकपुरधाम १६ स्थित कपिलेश्वरनाथ मन्दिरमे पूजा करए गेल छलीह ।
कतेक गोटे आइ महादेवक विशेष पूजा रुद्राभिषेक कएलन्हि अछि । कहल जाइत अछि एहिसँ बैरी अर्थात शत्रुक भय दूर होइत अछि । मिथिलांचलक एकटा एहन व्रत अछि जाहिमे बच्चासँ लऽ कऽ बूढ़ कुमारी कन्या, विवाहित महिला आ विधवा महिला करिब–करिब सभ ई व्रतकेँ करैत छथि संगहि लड़का आ पुरुष सेहो एहिदिन व्रत रखैत छथि ।
दिनभरि उपवास कएलाक बाद आइ रातिमे बइर खा उपवास समाप्ती कएल जाइत अछि । ज्योतिषसभ कहैत छथि – एहिदिन विवाहक लेल लड़की लड़का देखब आ विवाहक दिन तय करब सेहो शुभ मानल जाइत अछि ।