

जनकपुरधाम ।

मैथिली कथा गोष्ठी आइ एक समारोहक बीच सम्पन्न भेल अछि । मैथिली विकास कोष जनकपुरधामक आयोजनामे भेल ओ कथा गोष्ठीमे प्रथम राजनन्दनी तिवारी, द्वितिय कुशल झा आ तृतीय मनिषा साह भेलथि ।
विजयी कथाकारसभकेँ चर्चित गीतकार अशोक दत्त, खेलाडी अनिल मिश्र, शिक्षकद्वय अमरजीत द्विबेदी आ अनितकुमार कर्ण पुरस्कार प्रदान कएलन्हि ।
छात्र आशुतोष साहक अध्यक्षतामे भेल ओ कथा गोष्ठीमे कुशल झा, रविकिशनकुमार मण्डल, अजयकुमार कामती, अमलेश कापर, अमरेन्द्र मण्डल, राजनन्दनी तिवारी, मनिषा साह, आशुतोष साह आ अनित कुमार कर्ण कथा बाचन कएलन्हि ।
क्था लेखनक सम्बन्धमे साहित्यकार अशोक दत्त एवं कार्यक्रम संयोजक रहल कथाकार सुजीत कुमार झा अपन धारणा रखलन्हि । कार्यक्रमक सञ्चालन मनिषा साह कएलन्हि ।

