Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

कि जाढ़ सच्चे कम भेल अछि ?





किछुए दिन पहिने जाढ़पर एकटा रिपोटिंग करए गेल छलौँ । पहिने सनके जाढ़ आब नहि होइत अछि किए ? एहि विषयपर ओहि दिन रिपोटिंग कएने रही । मुदा आब किछु दिनसँ जाढ़ अपन स्वरुप देखा रहल अछि । पुस १५ गतेसँ शुरु भेल जाढ़ आ शितलहरीक प्रकोप आई माघ २ गतेधरि जारी अछि । ओना बीचमे किछु दिन कडा रौद सेहो उगल मुदा जाढ़ कम नहि भेल । एखनके अवस्था देखि कऽ लगैत अछि कहीँ पूरा माघ एहने तऽ नहि रहत ? मुख्यतः ऋतु ४टा होइत अछि । चारु ऋतु ३÷३ महिनाक होइत अछि । एहि हिसाबसँ जाढ़क मौसम सेहो ३ महिनाक होइत अछि ।
जाढ़क मौसम कोना आ किए अबैत अछि ? सामान्यतः पृथ्वीक भौगोलिक अवस्था सूर्यके पृथ्वीद्वारा कएल जाएबला परिक्रमाक कारण मौसम परिवर्तन होइत अछि । मुख्यतः पृथ्वीक अक्षके झुकाव आ सूर्यक परिक्रमा करएबला मार्गसँ सम्बन्धित अछि ।
१. पृथ्वीक झुकाव
♦ पृथ्वी २३.४ डिग्री झुकि कऽ अपन अक्षमे घुमैत अछि ।
♦ इएह झुकावक कारण पृथ्वीक प्रत्येक भागमे सूर्यक किरण समान रुपसँ नहि पड़ैत अछि ।
♦ जाढ़मे सूर्यक किरण बहुत दुरसँ आ कम कोणमे अबैत अछि तएँ तापक्रम कम भऽ जाइत अछि ।
२. सूर्यक परिक्रमा
♦ पृथ्वी सूर्यके एक वर्षमे एक बेर परिक्रमा करैत अछि ।
♦परिक्रमा करैत समय कोनो भाग सूर्यक लग आ कोनो भाग दूर रहैत अछि ।
♦जखन पृथ्वीक उत्तरी गोलाद्र्ध सूर्यसँ दुर होइत अछि, ओहि स्थानमे जाढ़ होइत अछि ।
♦ तहिना दक्षिणी गोलाद्र्धमे सूर्यसँ दुर भेलासँ जाढ होइत अछि ।

३. सूर्यक किरणके प्रभाव
♦जाढ़मे सूर्यक किरण पृथ्वीपर सीधा नहि पड़लासँ गर्मी कम होइत अछि ।
♦ दिन छोट आ तापक्रम कम होइत अछि ।
जाढ़ मौसम पृथ्वीक झुकाव, सूर्यक परिक्रमा आ भौगोलिक अवस्थाक कारण स्वभाविक रुपमे आबएबला प्राकृतिक चक्र अछि । ई प्रत्येक वर्ष नियमित रुपमे अबैत अछि । मौसम परिवर्तन भेलासँ अपनसभक रहन सहन, खानपीन सभमे परिवर्तन आबि जाइत अछि । ओना १० वर्ष पहिने आ एखनके जाढ़क तुलना करी तऽ पहिनेजकाँ जाढ़ नहि रहि गेल । बहुतो गोटेके कहव रहैत छन्हि पहिनेसनके जाढ़ कहाँ ? पहिने तऽ कनकनी, कपकपीबला जाढ़ ३÷४ महिनाधरि रहैत छल । मुदा आब तऽ अन्तिम पुसँ शुरु भऽ कऽ शुरु माघधरि मात्र रहैत अछि । एखन आबि कऽ जाढ़ किए कम होइत जा रहल अछि ?
जाढ कम होबएके कारण
१. ग्लोबल वार्मिंग
♦ हरितगृह ग्याससभ जेना कार्बन डाईअक्साइड, मिथेनके मात्रा वायुमण्डलमे बढि रहल अछि । जाहिसँ विश्वव्यापी रुपमे तापक्रम सेहो बढि रहल अछि ।
२. वन विनाश
♦जंगलसभ कटानी भेलासँ कार्बन डाइअक्साइड लेबएके क्षमता घटैत अछि जाहि कारण वायुमण्डलके तापक्रम बढैत अछि आ मौसममे अस्थिरता अबैत अछि ।
३. औद्योगिकीकरण आ शहरीकरण
♦ उद्योग आ सवारीसाधनसँ हरितगृह ग्यास उत्सर्जनमे बेसी योगदान पहुँचाबैत अछि ।
♦शहरी क्षेत्रमे गचदबल जभबत ष्कबिलम भााभअतक के कारण जाढ मौसममे सेहो तापक्रम तुलनात्मक रुपमे बेसी होइत अछि ।
४. वातावरणीय प्रदुषण
♦ गर्दा आ धुवाँसँ सेहो वायुमण्डलमे तापक्रम बढैत अछि । एहिसँ हावाक गुणस्तरके कमजोर बनबैत मौसमके सेहो अनिश्चित बनबैत अछि ।

पहिनेके जाढ देखने तऽ नहि छी मुदा जाढ कम हएबाक कारणसभ इएह अछि । ओना एहिबेर जाढ कनी बढल अछि । बच्चा, बृद्ध आ प्रत्येक उमेर समूहक व्यक्तिके जाढसँ बचि कऽ रहबाक चाही । एहि मौसममे सर्दी, बोखार, शरीर कनकनेनाई जेहन समस्या होइत रहैत अछि । तएँ अपन स्वास्थ्यके खयाल राखएके जिम्मेबारी अपने होइत अछि । जाढ महिनामे कम तापक्रम भेलाक कारण शरीरमे प्रतिरोधात्मक क्षमता सेहो कमजोर होबए लगैत अछि । तएँ बिमार पड़एके खतरा सेहो बेसी भऽ जाइत अछि । गरम पानि पिबाक चाही, गरम कपडा लगा कऽ रहए चाही आ शरीरमे प्रतिरोधात्मक क्षमता बढाबएबला आहार ‘भिटामिन सी’ युक्त भोजन ग्रहण करबाक चाही । ठण्डा स्थानमे बेसी काल समय व्यतित नहि करबाक चाही । नियमित व्यायाम करबाक चाही । अपनाके सुरक्षीत राखी किए तऽ जाढ एके माघे नहि जाइत अछि ।