

जनकपुरधाम ।
वृक्षमानवक नामसँ चर्चित सुरेश शर्मा सेवा निवृत भेलासँ वृक्षारोपण अभियानपर कोनो फरक नहि पड़त बतौलन्हि अछि । एक हप्ता मात्र सेवा निवृत भेला हुनका भेल छन्हि । मधेश प्रदेश वन निर्देशनालय जनकपुरधामक उपसचिव छलथि । दैनिक वृक्षारोपण करब हिनक दिनचर्यामे सामिल छल ।
‘जाधरि जीवन रहत ताधरि हमर अभियान चलैत रहत,’ ओ कहलन्हि । सुरेश शर्माक जीवनसँ जोडि़ कऽ मोडेल खबर लम्बा बातचित कएलक अछि । हुनक पढाइ, नोकरी, सेवा निवृत प्रसंग, वृक्षारोपण अभियान मात्र नहि संघीयतामे मधेश प्रदेशमे रहल कर्मचारीक सम्बन्धमे हुनकासँ खुलिकऽ बातचित कएल गेल अछि ।
हुनकासंगक बातचित किछुए देरमे मात्र https://www.youtube.com/@ModelKhabar पर देखल एवं सुनल जा सकैत अछि ।

