

जनकपुरधाम ।
चर्चित गायक नविन मिश्र कहलन्हि – एकटा अर्गनाइजरक रुपमे कलाकारसँ प्रत्येक वर्ष अनुबन्ध करैत छी आ ओहि हिसाबसँ पारिश्रमिक दैत आएल छी । कतहुँ घाटा भेल तँ कतहुँ नाफा सेहो होइत अछि एहि बातकेँ लऽ कऽ किओ आवाज उठबैत अछि तँ ओ गलत अछि कहैत नविन आगाँ उल्लेख कएलन्हि – टिममे ककरासभकेँ राखल जाए एहिलेल साउन महिनामे अनुबन्ध करैत छी ।
कागती अनुबन्ध हिसाबसँ पैसा नहि देलापर मात्र किओ प्रश्न उठा सकैत छी ओ प्रश्न कएलन्हि ।

कलाकार बीएन पटेल कोन प्रसंगमे हमरा उपर प्रश्न उठेलन्हि उएह जानथि मुदा दुःख तँ लागल अछि हुनक कहब अछि ।
नविन मिश्रक जीवन चर्चापर मोडेल खबरक पोडकाष्ट चैनलमे बहुतरास बात भेल अछि । कोना गायन क्षेत्रमे लगलथि ? गायनसँ अर्गनाइजरधरिक यात्रापर बहुतरास बात भेल अछि । एहिवर्ष हुनक कएटा गीत रेकर्डिगं भेल अछि इहोसभ जानकारी ई बातचितमे भेट सकैत अछि । हेल्लो मिथिला समूह नामसँ स्टेज शो चलावएकेँ पाछाँक कारण कि अछि ? मिथिलाञ्चलक सभसँ महग गायक के छथि ओहिमे नेपाल दिससँ किओ छथि कि नहि ?
रामानन्द युवा क्लव जनकपुरधामक अध्यक्ष रहि चुकल नविनसंग बातचित किछुए देरमे मोडेल खबरक https://www.youtube.com/@ModelKhabar पर सुनए सकैत छी ।

