

जनकपुरधाम ।
सोमवारीक अवसरपर प्रसिद्ध धार्मिक स्थल कलाणेश्वर स्थानमे मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह आइ विशेष पूजा कएलन्हि । जटही सीमा नजदिक रहल ओ स्थानक स्थापना त्रेता युगमे स्वयं शिरध्वज जनक कएने रहथि ।
मुख्यमन्त्री मन्दिरमे फूलबेलपत्र दूध आ जल चढौलन्हि । मन्दिरक पूजारीसभ ओहि अवसरपर विशेष मन्त्र पाठ कएने रहथि । मन्दिर प्रशासन मुख्यमन्त्री सिंहकेँ पाग पहिरा स्वागत कएने छल ।

