Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

जखन पाग पहिरने मुख्यमन्त्री मन्द–मन्द मुसैक रहल छलाह…





सुजीत कुमार झा
जखन मधेश प्रदेश सभामे शुक्रदिन निति तथा कार्यक्रम प्रस्तुत भऽ रहल छल मुख्यमन्त्री सतिश सिंह पाग पहिरने सांसद भवनमे बैसल छलाह । एक तँ पाग आ दोसर ओ पागपर मिथिला चित्रकलासँ सुशोभित छल । पागसंग देहपर जे दोपटा रखनि रहथि आहुपर मिथिला पेन्टिगंक चित्र पारल छल । सांसदमे उपस्थित सभ सांसद घूरि–घूरि कऽ मुख्यमन्त्री दिस ताकि रहल रहथि । मुदा बेपरवाह ओ बैसल रहलथि । ओ मात्र मन्द(धीरे)–मन्द मुसैक रहल छलाह ।
पाग जनकपुरधामक लेल कोनो नव पोशाक नहि अछि । बराबर सभा समारोहमे अतिथिकेँ पहिराओले जाइत अछि । फेर संसदक लेल सेहो कोनो नव नहि । जखन पाँच वर्षपर नयाँ संसदक बैसा होइत अछि बहुत लोक पाग पहिर कऽ अबैत छथि ।


संघीय संसदमे सेहो किछु सांसद पाग पहिर जाइत छथि । विहारक मिथिला क्षेत्रक विद्यायक आ संसद सेहो अपन–अपन सदनमे पाग पहिरने देखल जाइत छथि । मुदा आन दिन सदन एहन दिस पहिलबेर देखल गेल । फेर मुख्यमन्त्रीसनक लोक ।

पागक विषयमे विकिपिडियामे लिखल अछि – पाग नेपाल आ भारतक मिथिला क्षेत्र मे बसोबास करऽवला मैथिलसभ द्वारा माथ पर पहिरल जाएत अछि। एकरा हिन्दू वेद तथा संस्कृत भाषामे सिरवश्त्रम कहल गेल अछि। एकर प्रयोग मिथिलाक पारम्परिक सभ्यताक प्रदर्शन करै अछि। ई सम्मान आ गर्वक प्रतीक अछि। प्राचीन समय मे एकरा पात आदि सँ बनाएल जाएत छल, मुदा एखन एकरा कपड़ा सँ बनाएल जाए लागल अछि।ृ२े विशेष रूप सँ ई लाल, पीयर अथवा उज्जर रङ्गक भैटेत अछि। पागक संस्कृति बचेवाक लेल विभिन्न अभियान चलाएल जा रहल अछि। कालान्तर मे मुख्य रूप सँ पाग मिथिला क्षेत्रक ब्राह्मण ओ कायस्थ समूह द्वाराृ३े लगाएल जाइत छल मुदा वर्तमान समय मे एकर प्रयोग मिथिलाक प्रत्येक समुदाय द्वारा कएल जाइत अछि। लाल रङ्गक पाग दुल्हा आ पूजा पाठ मे पुरुष द्वारा लगाएल जाएत अछि। पीयर रङ्गक पाग मुख्य रूप सँ वैवाहिक उत्सव मे सम्मिलित होमएवला लोकसभ द्वारा लगाएल जाइत अछि ।

मुख्यमन्त्री सतिश सिंहकेँ मिथिला मैथिली प्रेम किनकोसा छिपल नहि अछि । जखन हिनक अधिकांश प्रदेश सांसद कथित मधेशी भाषामे सपथ लेलन्हि तँ ई खुल्ला रुपसँ अपने मैथिल छी मैथिलीएमे सपथ ग्रहण करब घोषणा कएने रहथि ।
नेपाल भारतमे जखन सभसँ सुन्दर मैथिलीक कोनो भवन बनलैक अछि तँ ओ मधेश सरकार बनौलक अछि । मधेश सरकारक अगुवाकेँ हैसियतसँ हिनका श्रेय भेटबाके चाही । मैथिली विकास कोषक अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी कोषक भवनक उदघाटन समारोहमे कहलन्हि – ई भवनक श्रेय मुख्यमन्त्री सिंह, पूर्व मन्त्री रामसरोज यादव, वर्तमान भौतिक पूर्वाधार मन्त्री सरोज यादव सहितक योगदान नहि बिसरल जा सकैत अछि ।
सभसँ महत्वपूर्ण बात तँ जखन मैथिली भवनक उदघाटनक बाद मुख्यमन्त्री ई भवनकेँ लऽ कऽ अपन सामाजिक सञ्जालमे लिखलन्हि – आइ ऐतिहासिक दिन।


प्रदेशक विकासक मामिलामे भलहि बहुतकेँ असन्तुष्टि हएत । मुदा इहो सत्य अछि मधेश प्रदेशमे विभिन्न दल सम्मलित संयुक्त सरकार अछि । कोनो काजक लेल सहमती जुटावए पड़ैत अछि । मुदा मैथिलीप्रतिक प्रतिबद्धता हिनक लाजबाब अछि ।

भलही ई गीत कोनो धार्मिक प्रयोजनक लिखल गेल छल मुदा ओ गीतसँ पैचा लैत अन्तमे ई छन्द बनावएसँ अपनाकेँ नहि रोकि सकलहुँ –
अहाँक मन्द–मन्द मुस्कनियापर बलिहार मुख्यमन्त्रीजी