

अयोध्या ।
अयोध्याक प्रसिद्ध रालला मन्दिरमे आइ रामदरवारक प्राणप्रतिष्ठा कएल गेल अछि । उत्तरप्रदेशक मुख्यमन्त्री योगी आदित्यनाथ प्राणप्रतिष्ठा कएलाक बाद ओ दरवार सेहो मन्दिरक प्रतिष्ठापित मूर्तिसभक तस्वीर बाहर आएल अछि । अभिजीत मुहूर्त आ स्थिर लग्नमे रामदरबार समेत मन्दिर परिसरक सात अन्य मन्दिरक प्राण प्रतिष्ठाक भव्य आयोजन भेल अछि । अयोध्या आ काशीक १०१ आचार्य वैदिक मन्त्रक संग ई धार्मिक अनुष्ठान करवौलन्हि अछि ।

