

संगीतक कोनो सीमा नहि होइत अछि । तएँ तऽ कहल जाइत अछि संगीत सीमा तोडैत अछि आ संस्कृतिके जोडैत अछि । जाहिठाम संगीतक क्षेत्रमे व्यवसायिक दृष्टिकोणसँ अन्य अन्य भाषासभमे विकास दिनदिने होइत जा रहल अछि ओहि समयमे मैथिली संगीतक क्षेत्रमे व्यवसायिक दृष्टिकोणसँ आशा कएल अनुरुप विकास नहि कऽ सकल अछि । एहने समयमे मैथिली गीत संगीतके अन्तर्राष्ट्रिय स्तरधरि पहिचान दियाबए लेल जनकपुरधामक माटि पानिसँ निकलि कऽ भारतक सपनाक शहर मुम्बई पहुँचल छथि गायिका शिवानी भगत ।
शिवानी अपन मिठासपूर्ण आवाज आ अलग प्रकारक गायन कलाक माध्यमसँ कमे समयमे चर्चाक शिखरपर पहुँचल छथि । मुम्बई पहुँच कऽ शिवानी संगीतमे स्नातकोत्तर करएके संगहि साउण्डमे इन्जिनियरिंग सेहो कएने छथि । शिवानी मैथिली गीत संगीतमे ओकर असल मर्मके नहि मारैत नव नव आयाम थपएके लक्ष्य रखने छथि । ओ कहैत छथि ‘मैथिली गीत संगीतक क्षेत्रमे खासे काज अखनधरि नहि भेल अछि, ई अथाह समुद्र अछि ओहिके किछु हिस्सा संसारके देखाबए चाहै छी ।’ शिवानीके शारदा सिन्हासंगे एल्वम निकालए नहि सकएके कचोट छन्हि । ओ हुनकासंगे एल्वम निकालएके तयारीमे छलथि मुदा हुनक स्वर्गवास भऽ गेलाक कारण शिवानीक ओ सपना अधुरे रहि गेल । ओना ओ शारदा सिन्हाक बेटीसंग मिल कऽ ओहि एल्वमके पूरा करएके लक्ष्य रखने छथि ।
मधेस आन्दोलनक समयमे आन्दोलन केन्द्रित गीतसभ गाबि कमे उमेरमे चर्चामे आएल ओ पहिलबेर शिव चर्चाक मञ्च भजन गाबि कऽ गायकीमे प्रवेश कएने छलथि । ओहिके बाद गायकी कोना करियर बनल ?, संगीतमे औपचारिक शिक्षा ग्रहणक बाद आगामी लक्ष्य, अखनधरिके संघर्ष सहितक विषयमे गायिका शिवानी भगतसंगक बातचित मोडेल खबरके पोडकास्ट चैनल https://www.youtube.com/@ModelKhabar पर किछुए कालमे देखए सकैत छी ।
