

सुजीतकुमार झा
जनकपुरधाम ।
मैथिली भाषामे निर्माण होइत आएल कलकतियाबाली सिरियलक दूटा कलाकारकेँ रमौलबाली पटा कऽ लऽ गेल छथि एकर चर्चा बीच रमौलबालीक नामसँ चर्चित रिना यादव मोडेल खबरक पोडकाष्ट चैनलमे विशेष बातचित कएलन्हि अछि । बातचितक क्रममे कहलन्हि – हम ढिमकी आ रसिलीकेँ किए पटाएब ओ तँ हमरे लोक अछि, ढिमकीकेँ पहिल अवसर हमही देने छियैक कलकतियाबालीमे किछु दिन काज कएलक फेर हमरा लग चैल आएल ।
‘हम स्वयं बढिया चैनल शुरु कएलहुँ अछि, माजल कलाकारक लेल ई नीक मञ्च बनत,’ ओ कहलन्हि ।
अहाँ किछु दिनक लेल कलकतियाबालीमे गेल छलियैक आ केना काज होइत छैक एकर अनुभव लऽ कऽ अपने चैनल खोलि लेलियैक आ कलाकारकेँ लैओ एलियैक ? एहिपर ओ कहैत छथि – गलत बात छैक हम जहिआ युट्यूबमे मैथिली कार्यक्रम शुरु कएने रही तहिआ नेपाल भारतमे ककरो चैनल नहि छल, वीएन पटेलसंग बात नहि मिललाक बाद हम किछु दिनक लेल कलकतियाबालीमे गेल छलहुँ ।
कलकतियाबालीमे अरुण विजयक व्यवहार हमरा नहि पसिन पड़ल तँए ओतए छोडि देलहुँ ओ कहलन्हि ।
रमौलबाली अपन नयाँ चैनल, अरुण विजयसंगक विवाद, विएन पटेलसंगक जोड़ी टुटएकेँ कारण, ढिमकी आ रसिलीकेँ पटावएकेँ कारण सहित विभिन्न विषयमे बातचित कएलन्हि । रमौलबालीसंगक बातचित आइ साँझमे मोडेल खबरक पोडकाष्ट चैनल https://www.youtube.com/@ModelKhabar मे प्रशारण हएत । देखए एवं सुनए नहि बिसरी…

