Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

कलकतियाबाली सिरियलसँ ढिमकी आ रसिली किए गायब भेलीह ?

रमौलबालीक एहिमे केहन भूमिका ?





सुजीतकुमार झा
जनकपुरधाम ।
युट्यूबमे देखल जाएवला मिथिलाञ्चलक सभसँ लोकप्रिय सिरियल कलकतियाबालीसँ ढिमकी आ रसिली आइकाल्हि गायब भऽ गेल छथि । हजारो दर्शक हिनकासभकेँ खोजी कऽ रहल अछि ।
इएह खोजीक क्रममे हिनकासभ लग आइ हमहुँ पहुँचल छलहुँ । ढिमकीक मूल नाम अछि आँचल राय आ रसिलीक नाम सपना राय । ई दुनू सहोदर बहिन छथि । ढिमकी आ रसिली कहैत छथि – हमसभ कलकतियाबालीमे किए नहि देखा रहल छी एकर कारण अरुण विजयसँ पुछु । उएह कहता ।
ओ दुनू बहिन आरोप लगौलन्हि – पैसा मंगलापर अरुण हमरासभमे काज करएपर रोक लगा देलक । स्वभिमान बेचकऽ ओहिठाम नहि रहब ।
ढिमकी आ रसिलीक लाखोक फैन अछि । जहिना कलकतियाबालीसँ ई दुनू गायब भेलीह रमौलबाली अर्थात रीना यादव हिनका अपना चैनलमे राखि लेलक अछि । रमौलबालीक मुख्यपात्रक रुपमे ढिमकी आ रसिलीक भूमिका देल गेल अछि । रमौलबाली पटा कऽ तँ नहि लऽ गेल अछि ? ओहिठामसँ छोडएमे अरुण विजयक मात्र हाथ अछि कि कलकतियाबालीक सेहो ? ओहिठाम अरुण, कलकतियाबाली आ इसिका ककर चलैत अछि ? ई सहित कला क्षेत्रमे कोना लगलथि, रमौलबालीमे कतेक दिन रहतीह सहितक विषयमे मोडेल खबरक पोडकाष्ट चैनल https://www.youtube.com/@ModelKhabarमे सुनि एवं देखि सकैत छी । आइ साँझमे ढिमकी आ रसिलीक अन्तरवार्ता प्रशारण हएत ।