

जनकपुरधाम ।
नेपाल ललित कला प्रज्ञा प्रतिष्ठान आ मैथिली विकास कोष जनकपुरधामक संयुक्त आयोजनमे आइसँ ५ दिवसीय मधेश प्रदेश प्रादेशिक ललितकला प्रदर्शनी २०८१ शुरु भेल । जनकपुरधाम ८ क ज्ञानकूप स्थित मैथिली बिकास कोष भवनम शुरु भेल ओ कार्यक्रममें भौतिक पूर्वाधार विकास मंत्री सरोज कुमार यादव, पूर्वमंत्री राम सरोज यादव, ललितकला प्रज्ञा प्रतिष्ठानक कुलपति नारदमणि हार्तामछली लगायत विभिन्न क्षेत्रक विद्वान, साहित्यकार, कलाकारसभक उपस्थिति छल ।
कार्यक्रमक अध्यक्षता कोषक अध्यक्ष जीवनाथ चौधरी कएलन्हि ।

