

जनकपुरधाम ।
नेपाल आ भारतक मैथिलीभाषी क्षेत्रमे ‘कलकतिया बाली’ प्रसिद्ध नाम अछि । कलकतिया बाली मैथिली कमेडीक एकटा पात्रक नाम अछि । जे भूमिका कलाकार अविनाश झा निर्वाह करैत आबि रहल छथि । अविनाशके अभिनय बच्चेसँ अपना दिस आकृष्ट करैत छल । गाममे कोनो सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजना करबाक बात भेल कि ओहि ठाम बिना किछु सोच विचार कएने ओहिठाम उपस्थित भऽ जाइत छलथि । ओ जनकपुरधाम एलाक बाद मात्रे हुनका भितरके ईच्छा पूरा भेल । रामानन्द युवा क्लवद्वारा मञ्चन भेल मरजिवा नाटकसँ अविनाशक अभिनय यात्रा आरम्भ भेल । जाहिके बाद ओ ओकरा अंगनाक बाह्र मासा, पृथ्वी, नहि यौ हजुर भैया मारत, दासी जीवन सहितक मञ्चिय नाटकमे अभिनय कऽ चुकल छथि । मुदा कलाकारसभके पारिश्रमिक प्राप्त नहि होबएके समस्याक कारण इशिका भुजेल आ अरुण विजयासंग मिल कऽ अलग्गे टिमके निर्माण कएलन्हि । जाहिके बाद जन्म भेल कलकतिया पात्रके ।
कलकतिया बाली भूमिक निर्वाह करए लगलाक बाद ओ चर्चाक शिखर प्राप्त कएलन्हि । किछु महिना पहिने अविनाश अन्तरजातिय विवाह कएलाक बाद सेहो चर्चा पौलन्हि । विवाहक बाद हमसभ मोडेलखबरमा हुनक अन्तरवार्ता हमसभ प्रसारण कएने छलौँ । जाहि अन्तरवार्ताके ५ लाखसँ बेसी दर्शक भ्यु कऽ चुकल छथि ।
विवाहक बादक हुनक अभिनय यात्रा कोना चलि रहल अछि ?, कलकतिया बाली पात्रक जन्म कोना भेल ? अभिनय कैरियरमे भोगए पड़ल समस्या, कलकतिया बालीके आगामी योजना ? सहित प्रश्नके जवाब सहित फेरसँ हमसभ कलकतिया बाली (अविनाश झा) संग बातचित कएने छी । हुनका संगक अन्तरवार्ता https://www.youtube.com/@ModelKhabar पर आई देखए सकैत छी ।
