Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

कुम्भयात्रीकेँ राति एहनो बितैत अछि !





 


जनकपुरधाम । 
ई दृश्य प्रायः हरेक मेलामे भेट जाएत । मेला माने एखनो आमलोकक लेल होइत अछि ! मेलामे जाएवलासभ कम पैसामे सेहो पूजापाठसँ लऽ कऽ अन्य काज कऽ लैत अछि । ई दृश्य सेहो कहि रहल अछि होटल वा लाँज खाली नहि अछि तँ कि भेलैक ? हम सडकेपर सुति सकैत छी, खुलोस्थानमे सुति सकैत छी । कुम्भ जाएवलासभ रहएकेँ हिसाबसँ नहि जाइत अछि । लक्ष्य रहैत अछि – स्नानक फेर कहुँनाकऽ राहि काटि लेलहुँ आ भोरमे वा तँ स्नान नहि तँ घर दिस प्रस्थान ।


जाढक बाबजूद हजारो व्यक्ति अहिना खुलामे रहल छथि । हिनकासभकेँ एकर चिन्ता नहि अछि रहएकेँ लेल स्थान खोजल जाए । खाएकेँ लेल सेहो भोजनालयकेँ चिन्ता नहि रहैत अछि । झोडामे चुरामुरही सहितक सामानसभ रखने रहल कतहुँ बैसि कऽ खा लेलक । एहिठाम तँ लाइटिगंक सेहो व्यवस्था अछि जँ नहिओ रहत ओहिसँ हिनकासभकेँ मतलब नहि अछि । कहुनाकऽ राति बिताएब । बहुतो लोक एहन भेटता गाडीमे सीट नहि अछि तइओ कोनो बात नहि कहुनाकऽ लटकि कऽ यात्रा कऽ लैत छथि ।