जनकपुरधाम ।
प्रयागराज महाकुम्भमे फेरसँ आइ आगि लागल अछि । ओ आगिलग्गीसँ १५ टा पण्डाल जरिकऽ समाप्त भेल अछि । ओना ओ घटनामे कोनो मानवीय क्षति नहि भेल अछि । ओ आगिलग्गी महाकुम्भक सेक्टर २२ मे भेल अछि ।
आगि लगितए बारुणयन्त्रक टोली शीघ्र आगिकेँ नियनत्रणमे लेलक अछि । एहिसँ एक हप्ता पहिने सेहो महाकुम्भमे गैस सिलिण्डरक कारण आगि लागल छल । आजुक आगिलग्गीकेँ कारण प्रहरी खोजी कऽ रहल अछि ।
स्थानीय प्रशासनक तदारुकतासँ अगिलग्गीसँ कोनो अप्रिय घटना होबए नहि सकल ।