Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

पूल्चौकक सडक आ पूल नहि बनलासँ स्थानीय समस्यामे

स्थानीय कहैत छथि ‘एतए सरकारे नहि अछि’





जनकपुरधाम ।
जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकामे किछु स्थान असुरक्षित आ अस्तव्यस्त पड़ल अछि । जनकपुरधाम वाड नम्बर १ , १६, १७ आ १९के जोडएबला पुल्चौकस्थित सड़क आ पूल निर्माणक काज अधुरा अछि । सडकके कातमे रहल ट्रान्सफर्मर आ विद्युतक पोलसभ कखन खसि पड़त तकर कोनो ठेकान नहि ।
स्थानीय रामदिनेश चौधरी कहैत छथि ‘ जनकपुरधाममे सरकारे नहि अछि, बिना सरकारक ई राज्य अछि जे ई स्थानक दूरावस्था वर्षोसँ अछि ।’ नहि जानि स्थानीय सरकार कोन सामाग्री वा वस्तुक प्रयोग कऽ ई पूलक निर्माण करा रहल अछि । जे अखनधरि आधासँ उपर बनबे नहि करैत अछि ।
जनकपुधाममे बहुतो स्थानक सडक बनल मुदा पुल्चौकके नहि दोसर स्थानीय रामानन्द साहक कहब छन्हि । सडक तऽ सडक विद्युतक पोलोसभके स्थिति कोनो बढियाँ नहि अछि, कखन खसि पड़त तकर डर हमरा लागले रहैत अछि ओ कहलन्हि । ओ आगा कहैत छथि ‘किछु महिना पहिने एहिठाम करेन्ट लागि कऽ एकटा महिस मैर गेल ।’
गाडी तऽ जाम लगिते अछि, वर्षाक समयमे थालपानिक समस्या सेहो बढि जाइत अछि ओतुका स्थानीयक उपराग अछि । आधा अधुरा बनल पूलपर गाडी लऽ कऽ जाएमे सेहो खतरासँ खाली नहि रहैत अछि । वर्षोसँ निर्माणधिन पूल अखनधरि पूरा नहि बनए सकल हुनक प्रश्न छन्हि ।
धनुषाक प्रमुख नाकामेसँ पुल्चोक सेहो पड़ैत अछि तखनो एहि चौकक स्थिति खराब अछि स्थानीय सहदेव मुखिया कहैत छथि । हमसभ बेर बेर पहल करैत छी, कतेको बेर चक्काजाम कएने छी, स्थानीय सरकारक प्रतिनिधि अबैत छथि आ देखि कऽ चलि जाइत अछि, एहि दुरावस्थाक जिम्मेबार मात्रे राज्य नाहि किछु स्थानीय सेहो रहल आरोप हुनक छन्हि । किए तऽ सडक विस्तारक क्रममे जिनकर घर वा जमिन पडैत अछि ओहेसभ काजमे अवरोधक श्रृजना करैत आबि रहल ओ कहलन्हि ।