

जनकपुरधाम ।
भारत सरकारद्वारा प्रत्येक वर्ष देल जाएवला प्रतिष्ठित पुरस्कार साहित्य अकादमी पुरस्कारक लेल प्रसिद्ध नाटककार महेन्द्र मलंगियाकेँ चयन कएल गेल अछि । हुनक कृति प्रवन्ध संग्रहक लेल ई पुरस्कारक घोषणा कएल गेल अछि ।
मधुबनी जिलाक मलंगिया गामक निवासी महेन्द्र मलंगिया लम्बा समयधरि जनकपुरधाममे रहल छथि । हुनक लिखल दर्जनो नाटक मिथिला नाट्य कला परिषद् कएने अछि । ३० सालसँ बेसी समयधरि धनुषा जिलाक बभनगामा स्थित श्री कन्टिर झा नमूना माध्यमिक विद्यालयमे भूगोल आ मैथिलीक शिक्षकक रूपमे काज कएने रहथि ।
काठक लोक, छुतहा घैल, गाम नहि सुतैय सहित कतेको मैथिली नाटकक मंचन एखनो मिथिला मे होइत अछि । मंलगियाकेँ नेपाल सरकारद्वारा स्थापित विद्यापति पुरस्कार, सर्वनाम पुरस्कार सहित विभिन्न पुरस्कारसँ सम्मानित कएल गेल अछि ।
