

जनकपुरधाम ।
रामजानकीक वैवाहिक कार्यक्रम आइराति सम्पन्न भेल अछि । वैदिक परम्परा अनुसार भेल ओ कार्यक्रम पूरे मिथिला परम्परा अनुसार भेल छल ।
अयोध्यासँ आएल बरियातीक उपस्थितिमे भेल ओ वैवाहिक कार्यक्रममे पूर्व उपप्रधानमन्त्री विमलेन्द्र निधि, पूर्व मन्त्री जुली महतो, जनकपुरधामक मेयर मनोज साह सहितक उपस्थिति छल ।
जानकी मन्दिरक महन्थ रामतपेश्वर दास वैष्णव, उत्तराधिकारी महन्थ रामरोशन दास वैष्णव, अयोध्यासँ दशरथक भूमिकामे आएल विश्व हिन्दू परिषद्क अन्तर्राष्ट्रिय मन्त्री राजेन्द्र सिंह ‘पंकज’ सहित सेहो रहथि ।
वैवाहिक कार्यक्रम स्थलमे भिआइपीसभकेँ बेसी महत्व देलाक कारणेँ तीर्थयात्रीसभकेँ बेसी समस्या भेल । बहुतोगोटे ई कार्यक्रम देख नहि सकलथि ।

फोटो – अलाउदिन साफी । आदर्श साह /मोडेल खबर
