

जनकपुरधाम ।
भारतक बिहारके दरभंगासँ इण्डिगो सेहो विमान सेवा शुरु कएलक अछि । एहिसँ पहिने मात्र स्पाइस जेट दरभंगासँ ई सेवा प्रदान करैत आएल छल ।
दरभंगासँ मुम्बईके लेल इण्डिगो ई सेवा सप्ताहमे ४ दिन प्रदान करत । नयाँ विमान सेवा शुरु होबएके संगहि दरभंगा आसपासके यात्रुसभमे उत्साह देखल जा रहल अछि । स्पाइस जेट अतिरिक्त इण्डिगो सेहो विमान सेवा शुरु कएलाक बाद एहिसँ विमानक भाडादरमे सेहो कमी आएल अछि ।
जल्दिए इण्डिगो दरभंगासँ भारतक राजधानी दिल्लीधरिके लेल विमान सेवा शुरु करएके योजनामे अछि । ईहो विमान सेवा सप्ताहके ४ दिन रहत ।
दरभंगासँ मुम्बईके लेल विमान सेवा शुरु भेलाक बाद नेपालक जनकपुरधाम आसपासक यात्रुके सेहो भारतक मुम्बई आवतजावतमे फाइदा पहुँचत ।
