Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

बरियातीक स्वागत घर–घरसँ होबाक चाही – रामरोशन दास वैष्णव, उत्तराधिकारी महन्थ जानकी मन्दिर





रामजानकी विवाहपञ्चमी महोत्सव आइसँ शुरु भऽ रहल अछि । विवाहपञ्चमीक तैयारी आ बरियातीक आगमनकेँ लऽ कऽ मोडेल खबरक सम्पादक सुजीत कुमार झा जानकी मन्दिरक उत्तराधिकारी महन्थ रामरोशन दाससंग बातचित कएलन्हि ओकर सम्पादित अंश –
प्र. विवाहपञ्चमीक तैयारी कोना चलि रहल अछि ?
आब एकरा तैयारी मात्र नहि बुझल जाए । आइसँ सातदिवसीय विवाहपञ्चमी शुरु भऽ गेल । आइ नगरदर्शन अछि । जानकी मन्दिरमे कृतिम बजार बना ओ बजारमे राम लक्ष्मण्केँ घुमाओल जाएत । ओ दृश्यक माध्यमसँ त्रेता युगक झलक देबएकेँ प्रयास कएल गेल अछि ।
प्र. सातदिनमे कि सभ होइत अछि ?
पहिल दिन नगरदर्शन, दोसरदिन फुलवारी लीला, तेसर दिन धनुष यज्ञ, चारिम दिन तिलकोत्सव, पाँचम दिन मटकोर, छठम दिन स्वयम्वर आ विवाह तथा सातम दिन रामकलेवा हएत ।
नगर दर्शन जानकी मन्दिरमे, धनुषयज्ञ रंगभूमि मैदानमे हएत । फुलवारी लीला रामजानकी विवाहमण्डपमे, तिलकोत्सव राम मन्दिरक प्रागंणमे, मटकोर गंगासागरमे, स्वयंवर रंगभूमि मैदानमे विवाह जानकी मन्दिरमे करएकेँ कार्यक्रम रहल अछि । रामकलेवा सेहो जानकी मन्दिरमे कएल जाएत ।

प्र. बरियाती कहिआ आबि रहल अछि ?
अयोध्यासँ जनकपुरधामक लेल बरियाती प्रस्थान कऽ चुकल अछि । मंगलदिन प्रस्थान कएलक ओ वरियातीमे भारतक कए राज्यक साधुसन्त सहभागि भेल छथि । अयोध्या स्थित रामसेवकपुरमसँ जनकपुरधामक लेल प्रस्थान करएवला ओ वरियातीक प्रस्थानक लेल श्रीराम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्रक महामन्त्री चम्पत राय नारियल फोडि़कऽ शुभताक संग बिदा कएलन्हि अछि । ओ बरियातीक लेल करिब एक सयसँ बेसी गाडी रहल अछि । ओ गाडीमे भगवान राम चारु भायक स्वरुपक झाँकी राखल गेल अछि । चारु भायकेँ लेल विशेष रथ बनाओल गेल अछि । बरियातीक संग भारतक अनेक नदिक पवित्र जलकेँ कलशमे सेहो जनकपुरधाम आनल जा रहल अछि । तिरुपति बालाजीसँ करिब ४० टा वैदिक ब्राह्मणक टीम सेहो जनकपुरधाम आबिरहल छथि । नेपालमे मटिहानीमे एकराति रहएकेँ कार्यक्रम अछि । नेपाल प्रवेश मटिहानी नाकासँ हएत । बरियातीक स्वागतक तैयारी मटिहानीमे सेहो भव्यता संग भऽ रहल रहल अछि । फेर नेपालक ठाम–ठाम स्वागतक तैयारी भऽ रहल अछि ।
प्र. बरियाती जनकपुरधाम कहिआ पहुँचत ?
अयोध्यासँ आबएवला बरियातीक उपस्थितिमे धनुष यज्ञ हएत । ओहीदिन पाँचसयक संख्यामे अयोध्यासँ बरियाती आबि रहल अछि । ओ बरियाती रामकलेवाक बाद अयोध्या घूरत ।


प्र. बरियातीक भोजनक व्यवस्था पूर्वक दिनमे मारवाडी सेवा समिति करैत छल मुदा एहिबेर मन्दिरकेँ करए पडि़ रहल छैक, एकर पाछाँक कारण कि छैक ?
जानकी मन्दिर एहि समाजेकेँ छैक । तँए के खुवेलकै ई बहसकेँ विषय नहि छैक । भोजन भलही जानकी मन्दिरद्वारा भऽ रहल छैक मुदा भोजन मारवाडी सेवा समितिमे हेतैक आ स्वागतमे सभ गोटे लागले रहब । फेर हुनकासभ रहएकेँ सेहो विभिन्न स्थानपर व्यवस्था कएल गेल अछि ।
प्र. अन्त्यमे आओर किछु कहबैक ?
विवाहपञ्चमी जनकपुरधामक सभसँ बड़का उत्सव छैक । फेर बरियाती एलासँ जनकपुरधामक चर्चा देश विदेशमे हेतैक । तँए एकर स्वागत घर–घरसँ होएबाक चाही । बरियातीकेँ स्वागत लिखल बैनरसभ ठाम–ठाम राखए पड़लैक । फेर यात्रीसभ सेहो हमरासभ लेल देबते छथि, हुनको सभकेँ कोनो असुविधा नहि होइक ताहिमे हमरासभकेँ लगबाक चाही ।