

आशुतोष झा
केन्द्रिय सदस्य
नेपाल विद्यार्थी संघ
मिथिलाक सभसँ पैघ उत्सव कोन अछि पुछल जाए तऽ मिथिलाक बच्चा बच्चा विवाहपञ्चमी कहत । किए तऽ अगहन शुक्ल पञ्चमी तिथिक दिन जनकपुरधामक पवित्र भूमिपर त्रेता युगमे अयोध्यानरेश दशरथक पुत्र मर्यादा पुरुषोत्तम भगवान् श्री राम आ मिथिला नरेश शिरध्वज राजर्षि जनकक बेटी माता जानकीक विवाह भेल छल । एहि ऐतिहासिक आ मिथिलाके गौरवान्वित बनाबएबला घटनाके प्रत्येक वर्ष मिथिलावासी जनकपुरधामवासी प्रत्येक वर्ष इएह पवित्र तिथिमे दोराबैत आबि रहल छथि । जानकी मन्दिरक प्राङ्गणमे प्रत्येक वर्ष होबएबला विवाहपञ्चमी महोत्सव त्रेता युगमे भगवान राम आ माता सीताक इएह प्रकारसँ विवाह भेल हएत से अनुभूति करबैत अछि । आइयो विवाहक ओ दृश्य प्रत्येक मिथिलावासीके रोमाञ्चित बनबैत रहैत अछि ।
७ दिनधरि चलएबला ई महोत्सव जनकपुरधामक स्थानीय संस्कृति तथा परम्पराके प्रदर्शन करैत अछि । ओना विवाहपञ्चमीके विशेष बनेबाक लेल प्रत्येक वर्ष विभिन्न धार्मिक कार्यक्रमक संगे, सीतारामक झाँकी, रामायणक विभिन्न घटनाके नाटकके माध्यमसँ दोहराओल जाइत अछि । मुदा एहिके थप विस्तारक संगे थप व्यवस्थित कएनाई आवश्यक अछि । विवाहपञ्चमी महोत्सवके आओर परिस्कृत आ विस्तारित करबाक लेल विद्यालयमे अध्ययनरत विद्यार्थीसभके सहभागिता आवश्यक अछि । एहिसँ नव पीढि जे अपन परम्परा आ संस्कृतिसँ विमुख होइत जा रहल छथि ओहो सभ अपन धर्म संस्कृतिके संरक्षणक लेल गम्भिर हेता । संगे अपन पुरान विरासतसँ परिचित सेहो हेताह ।
विवाहपञ्चमीमे सहभागी हएबाक लेल जनकपुरधामवासी मात्रे नहि बाहर बाहरके पर्यटकसभ सेहो आतुर रहैत छथि । जाहि कारण महोत्सवक समयमे पूरा जनकपुरधाम पर्यटकसँ खचाखच भड़ल रहैत अछि । तएँ भीड सेहो बढि जाइत अछि । भीड व्यवस्थापनके विकल्प जानकी मन्दिरसंग मिल कऽ स्थानीय सरकारके खोजबाक चाही । जनकपुरधाममे विभिन्न युवा क्लवसभ अछि ओ युवा क्लवसभसँ सहयोग लऽ कऽ भीड़ व्यवस्थापनक लेल स्वयं सेवक परिचालन कएल जा सकैत अछि । संगे बाहरसँ आबएबला पर्यटकके लेल मार्गदर्शक टुरके प्याकेजके शुरुवात करए दिस सेहो सोचबाक चाही । जाहिसँ जनकपुरधामक पर्यटन उद्योग लाभान्वित तऽ हएबे करत संगे आर्थिक रुपसँ सेहो जनकपुरधामके लाभ प्राप्त हएत । तहिना विवाहपञ्चमीके विश्व मानसपटलपर पहुँचाबए लेल संचारमाध्यमके सहयोग लेबएके संगे डिजिटल प्लेटफर्मके भरपुर प्रयोग करएके दिशामे काज करबाक चाही । तहिना विवाह पञ्चमीके प्रचार प्रसारक लेल मिथिला चित्रकलाक सेहो सहयोग लेल जा सकैत अछि । पर्चा पम्पलेट संगे बुक सेहो विवाहपञ्चमी महोत्सवके लऽ कऽ निकालल जएबाक चाही । जनकपुरधाम आबएबला पर्यटकके स्वागतके नीक व्यवस्थासंगे ओसभ एहिठामसँ स्मरण योग्य कोन वस्तु अपना जगहपर लऽ जा सकैत छथि से योजना स्थानीय सरकार आ प्रदेश सरकारके बनेबाक चाही ।
ओना विवाहपञ्चमीके भव्य बनेबाक जिम्मेबारी मात्र जानकी मन्दिरके नहि अछि । मधेस सरकार आ जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाके सेहो अछि । मधेस सरकारक मुख्यमन्त्री विवाहपञ्चमीक अवसरमे एकटा होडिङ्ग बोर्ड लगा कऽ पाछा नहि हटि सकैत छथि । हुनका होर्डिंग बोर्डसँ बाहर निकलि कऽ जानकी मन्दिरक प्राङ्गणमे उतरए चाही । तखन मात्रे लागत जे विवाहपञ्चमीके लऽ कऽ मधेस सरकार सेहो गम्भिर अछि ।
प्रस्तुतीः जयन्त ठाकुर
