

जनकपुरधाम ।
जनकपुरधाम क्षेत्रक प्रमुख धार्मिकस्थल धनुषाधाम मन्दिरमे राष्ट्रिय मुक्ति पार्टी नेपालक केन्द्रिय अध्यक्ष राजेन्द्र महतो पूजापाठ कएलन्हि अछि । ओहि अवसरपर पार्टीक नेतासभ राजिव झा, अनिल महासेठ सहितक नेतासभ सहभागि रहथि ।
मन्दिरक पुजारी भरत दास मन्दिरमे पूजा करौलन्हि ।
त्रेता युगमे भगवान राम सीता स्वयम्बरक समय भगवान शिवक धनुष तोड़ने रहथि । भगवान शिवक पिनाक धनुषमे भगवान राम प्रत्यंचा चढ़ावए खोजलाक बाद ओ तीन टुक्रा भेल छल । एकटा टुक्रा आकाशमे, एकटा टुक्रा पातालमे आ एकटा टुक्रा पृथ्वीमे खसल रामायणमे उल्लेख अछि । पृथ्वीमे पिनाक धनुषक टुक्रा झरल स्थलक रुपमे धनुषाधामक पहिचान रहल अछि ।
मन्दिरमे पूजा करएवलाकेँ भीड़ लागल रहैत अछि ।





