Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

विवाहपञ्चमी थप व्यवस्थित आ प्रचार हएबाक चाही





रोशन झा ।
विवाहपञ्चमीक बात होइते जनकपुरधामवासीक उत्साहक कोनो सीमा नहि रहैत अछि । रहबो कोना करत, मिथिलाक धिया सीताक विवाहक स्मरणमे जे ई महोत्सव मनाओल जाइत अछि । वएह बेटी सीता जे अपने जीवनभरि दुःख कटलीह मुदा मिथिला आअ पन पिता राजर्षि जनकके गरिमामे कोनो प्रकारक आँच नहि आबए देलिह । तएँ मिथिलाक हरेक बेटीमे सीताक प्रतिमूर्ति देखल जाइत अछि, जनकपुरधामक रोशन झा कहैत छथि ।
ओ कहैत छथि सौभाग्य हम्मरसभक जे जनकपुरधामवासी छी, मिथिलावासी छी । ई वएह पवित्र भूमि अछि जतए बहिन सीता आ पाहुन राम बनलथि ।
ओना विवाहपञ्चमी जनकपुरधामवासीके लेल मात्रे उत्साह लऽ कऽ अबैत अछि से नहि, ओतबे उत्साह एहिठाम आबएबला श्रद्धालु भक्तजनक संगे पर्यटकसभमे सेहो रहैत अछि । तएँ एहि महोत्सवमे सहभागी होबए लेल देश विदेशसँ लोक अबैत अछि ।
विवाहपञ्चमीके लऽ कऽ जनकपुरधाम, जानकी मन्दिर जाहि प्रकारसँ सजाओल जाइत अछि, विवाहपञ्चमीके लऽ कऽ जाहि प्रकारक कार्यक्रमसभ आयोजन होइत अछि ओहिके लेल आयोजकके प्रशंसा करही पड़त । मुदा किछु आओर कार्यक्रमसभ थपल जाएत तऽ विवाहपञ्चमी महोत्सवक भव्यता आओर बढि जाएत । जेना विवाहपञ्चमीक दिन मिथिलाक पहिरन अनिवार्य लगाओल जाए, विद्यालय स्तरमे सांस्कृतिक प्रतियोगिताक आयोजन कएल जाए, रामायणसँ सम्बन्धित नाटक, चित्रकला, निबन्ध प्रतियोगिता रंगभूमि मैदानमे आयोजन कएल जाए ।
सीतारामक विवाहके खुशियालीमे भक्तजन तथा आगन्तुकसभके प्रसाद वितरणक संगे भण्डाराक व्यवस्था कएल जाए । विवाहपञ्चमीमे बाहर बाहरके पर्यटकसभ सेहो जनकपुरधाम घुमए अबैत अछि ई जनकपुरधामक लेल व्यापार व्यवसायक दृष्टिसँ महत्वपूर्ण साबित भऽ सकैत अछि ।
स्थानीय बजारक सामान, हस्तकलासँ निर्मित सामान, मिथिला भोजनक मेलाके आयोजन कएल जएबाक चाही । एहिसँ मिथिलाक पहिचान आ विशेषतासँ बाहरके लोक सेहो अवगत भऽ सकैत छथि ।
मुदा एहिसभसँ बेसी सरसफाईपर विशेष ध्यान देबाक चाही । जगह जगहपर गन्दा व्यवस्थित रुपसँ फेकएके व्यवस्था हएबाक चाही । संगे घुमए आबएबलासभके भोजन, रहन सहनके उचित प्रबन्ध भेनाई अति आवश्यक अछि । जानकी मन्दिरमे विवाहपञ्चमीक अवसरमे आयोजना होबएबला कार्यक्रमसभके लाइभके व्यवस्था हुए जाहिसँ जनकपुरधाम आबए नहि सकल व्यक्ति सेहो विवाहपञ्चमीक रंगमे डुबए सकैथ । एहि प्रकारक प्रयास कएलासँ जनकपुरधामक मेला आ जनकपुरधाम महोत्सवक चर्चा हम अहाँ मात्रे नहि पर्यटकसभ सेहो करता ।

  प्रस्तुतीः शिवानी मिश्र