Breaking 
सप्तरीमा करेन्ट लागेर एक किसानको मृत्यु | सर्लाहीको बलरामा चक्कु प्रहारको घटना, ३ जना घाइते | मोडेल कलेजले पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालयबाट पायो बीआइटी सञ्चालनका लागि सम्बन्धन | आणविक बमकेँ दंश झेलएबला एक मात्र देश ‘जापान’ | बंगलादेशको अन्तरिम सरकारद्वारा फेब्रुअरी २०२६मा राष्ट्रिय चुनाव गर्ने घोषणा | बिहिबार सुनको मूल्य स्थिर | सिन्धुलीमा युवकको मिर्गौला निकालिएको घटनामा एकजना पक्राउ | धनुषाको दुहवीमा सशस्त्र प्रहरी र तस्करबीच झडप, चार राउन्ड हवाई फायर | भारतीय विदेश सचिव भदौ १ मा काठमाडौं आउँदै | घानामा सैन्य हेलिकप्टर दुर्घटना हुँदा २ मन्त्रीसहित ८ जनाको मृत्यु |

जनकपुरधामक लेल अयोध्यासँ बरियाती प्रस्थान कएलक, ५ सयसँ बेसी संख्यामे बरियाती

अगहन २१ गते वैदिक परम्परा अनुसार विवाह हएत





जनकपुरधाम ।
गाजा–बााजाक संग नचैत गबैत अयोध्यासँ जनकपुरधामक लेल बरियाती प्रस्थान कएलक अछि । मंगलदिन प्रस्थान कएलक ओ वरियातीमे भारतक कए राज्यक साधुसन्त सहभागि भेल छथि ।


अयोध्या स्थित रामसेवकपुरमसँ जनकपुरधामक लेल प्रस्थान करएवला ओ वरियातीक प्रस्थानक लेल श्रीराम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्रक महामन्त्री चम्पत राय नारियल फोडि़कऽ शुभताक संग बिदा कएलन्हि अछि । ओ बरियातीक लेल करिब एक सयसँ बेसी गाडी रहल अछि । ओ गाडीमे भगवान राम चारु भायक स्वरुपक झाँकी राखल गेल अछि । चारु भायकेँ लेल विशेष रथ बनाओल गेल जानकारी विश्व हिन्दू परिषद्क अन्तराष्ट्रिय मन्त्री राजेन्द्र सिंह ‘पंकज’ मोडेल खबरकेँ देलन्हि अछि ।
बरियातीक संग भारतक अनेक नदिक पवित्र जलकेँ कलशमे सेहो जनकपुरधाम आनल जा रहल अछि ।


अयोध्या स्थित राम मन्दिरक प्राण प्रतिष्ठाक बाद पहिल बेर भगवान रामक बरियाती निकलल अछि । करिब १७ प्रान्तक राम भक्त आ साधु–सन्त ई बरियातीमे सहभागि भेल छथि । अगहन २१ गते विवाह पंचमीक दिन सीतारामक विवाह सम्पन्न करावए तिरुपति बालाजीसँ करिब ४० वैदिक ब्राह्मणक टीम सेहो जनकपुरधाम आबिरहल छथि । बरियाती बक्सर, पटना, कांटी, सीतामढ़ी पुनौराधाम आदि स्थानपर विश्राम लैत नेपाल आओत ।
नेपालमे मटिहानीमे एकराति रहएकेँ कार्यक्रम अछि । नेपाल प्रवेश मटिहानी नाकासँ हएत । बरियातीक स्वागतक तैयारी मटिहानीमे सेहो भव्यता संग भऽ रहल जानकारी ओहिठामक मेयर हरिप्रसाद मण्डल देलन्हि अछि ।