

प्रदीप लाल ।
‘मंगल आजु जनकपुर अति मन भावन हे आजु’ विवाहपञ्चमीके दरशा रहल एहि गीतक बोलमे । विवाहपञ्चमी हिन्दु धर्माबलम्बीसभके पैघ पावनि अछि । सामाजिक समरसता आ सांस्कृतिक विरासतके प्रतिक ई पावनि अछि । ई पावनि सीतारामक विवाहके मधुर स्मृति अछि जे मिथिलावासीक लेल वरदानसँ कम नहि अछि तएँ मिथिलाञ्चलमे विवाहपञ्चमी महापर्वजकाँ मनाओल जाइत अछि । जनकपुरधाम एहि दिन विशेष रुपसँ जगमग आ भरलपुरल रहैत अछि । किए तऽ जनकपुरधामक पवित्र भूमिमे धनुष महायज्ञक समयमे शिवजीक धनुष तोडि कऽ भगवान राम बहिन सीतासँ विवाह कएने छलाह ।
विवाहपञ्चमी मिथिलाक लेल मात्रे नहि भऽ नेपाल राष्ट्रक गौरवके विषय रहल कहैत छथि प्रदीप लाल । जँ जनकपुरधामक नाम अन्तर्राष्ट्रियस्तरधरि चर्चा पबैत अछि तऽ एकर प्रमुख कारण विवाहपञ्चमी अछि हुनक कहव छन्हि । आन समय जनकपुरधाम पहुँचे वा नहि विवाहपञ्चमीक पवित्र दिनमे देश विदेशसँ लोक एहिठाम पहुँचैत छथि । जनकपुरधामक एहि महाउत्सवमे अन्य धर्माबलम्बीसभक सेहो सहभागिता रहैत अछि ।
ओना तऽ जनकपुरधामक सरसजावटमे कोनो कमी नहि रहैत अछि, एहन सजावट रहैत अछि जेना कोनो बेटीक विवाह भऽ रहल घरमे रहैत अछि, उत्साह सेहो ओहने रहैत अछि । ओहने उत्साह सीतारामक विवाहक स्मृतिमे रहैत अछि ।
जानकी मन्दिर तऽ ओहिना एहन सजल रहैत अछि जे कतबो देखु तऽ हिके नहि भरत । जनकपुरधाममे ७ दिवसीय विवाहपञ्चमी महोत्सव मनाओल जाइत अछि । जाहिमे मैथिल परम्परा अनुसार होबएबला विवाहक प्रत्येक विधिविधान पूरा कएल जाइत अछि । एहि प्रकारसँ ओहिठाम विवाहक माहौल रहैत अछि जेना सीताराम विवाहक लेल पुनः जनकपुरधामक धरतीपर आएल होइथ ।
सीतारामक विवाह देखबाक लेल बिना निमन्त्रण लाखो श्रद्धालु जनकपुरधाम पहुँचैत छथि । भरो राति जनकपुरधाममे चहलपहल रहैत अछि । सरसजावटके लऽ कऽ लालक मोनमे कोनो उपराग नहि छन्हि । मुदा जनकपुरधामसँ सरोकार रखनिहार प्रत्येक व्यक्तिके सहयोग एहिमे रहत तऽ सगरो इजोत करत, सगरो जनकपुरधामक चर्चा हएत ।
स्थानीयके विवाहपञ्चमीक समयमे सरसफाई, घरघरमे दीप प्रज्वलन, विवाहपञ्चमीके लऽ कऽ घरघरसँ तयारी हएत तऽ सभक मोनमे ‘एहन सुन्दर मिथिलाधाम, पाएब दोसर कोना ठाम’ गीत गुनगुनेबे करत ।
प्रत्येक ५ वर्षसँ अयोध्यासँ जनकपुरधाम बराती अबैत अछि, एहिबेर ५अम वर्ष अछि । अहुबेर जनकपुरधाममे बराती आओत । बरातीके स्वागत करबाक लेल जनकपुरधामवासी आतुर छथि । आयोजक वा कही सराती पक्ष बरातीके रहनसहन, खानपानसँ लऽ कऽ हुनकरसभके आवश्यक्तासभके पूर्तीके लेल तैयारीमे लागल छथि । विवाहपञ्चमी प्रत्येक वर्ष विशेष हएबे करैत अछि मुदा एहिबेर किछु विशेषे भव्य बनाबएके तैयारी चलि रहल अछि । एहिबेर हमहुँ गाम गामसँ लोकसभके आमन्त्रीत कएने छियैन अहुना कऽ अतिथिसभके बजा बजा कऽ सहयोग कएल जा सकैत अछि ।
किए तऽ ई पावनि मात्र आयोजकके नहि अछि सम्पूर्ण जनकपुरधामवासीके अछि । मुदा जनकपुरधाम उपमहानगरके व्यवस्थापनके लेल विशेष अग्रसर हएबाक चाही किए तऽ ई एहन महोत्सव अछि जाहिके सही सदुपयोग कएलासँ उपमहानगरके गरिमा सेहो बढत । विवाहपञ्चमीके कोनो आम मेलाके रुपमे नहि लऽ अपन गरिमाके रुपमे लऽ एहिमे सभ पक्षक सहयोग हएबाक चाही जाहिसँ जनकपुरधाम आबएबला बराती तथा पर्यटक सभके सुविधा हुए ।
प्रस्तुतीः शिवानी मिश्र
